विराटनगर । अहिबेर दसमीके घटस्थापनाके दिनसँ विराटनगरमें दोसर संस्करणके विराट राजवंशी महोत्सव मेला आयोजना होमए जारहल अछि ।
बिराट राजवंशी प्रगतिशील बिकास समाज समितिके आयोजनामें आसिन १० सँ २१ गतेधरि दोसर संस्करणके महोत्सव मेला आयोजना होमए जारहल अछि । बिराटनगर–८ हाटखोलास्थित साबिकमें बुध हटिया लागएबला स्थानपर मेला आयोजना करएके तयारी कएलजारहल अछि ।
आयोजक समिति नेपाल पत्रकार महासंघ मोरङमें रबिदिन पत्रकार सम्मेलनके आयोजन करैत मेलाके बिषयमें जानकारी देने अछि । बिराट राजवंशी समुदायके भाषा, कला–संस्कृति,संस्कारके उजागर आ संरक्षण तथा बिराट राजवंशीके बिराटनगरके पहिल जातिकेरुपमें सुचिकृत करएबाक उदेश्य सहित महोत्सव आयोजना कएलजारहल बिराट राजवंशी प्रगतिशील बिकास समाज समितिके केन्द्रीय अध्यक्ष किरण राजवंशी बतौनेछथि ।
मेलामें बिराट राजवंशी समुदायके पारम्परिक खानपान,भेषभुषा,भाषा,संस्कृति आ पहिचान प्रदर्शन करएके साथे बालबालिका तथा युवायुवतीके मनोरञ्जन हेतु झुला,रोटेपिङ्ग,ब्रेक डान्सके सेहो ब्यवस्था कएलगेल आयोजक समिति जानकारी देने अछि ।
एकर साथे राष्ट्रियस्तरमें चर्चित कलाकार सहित स्थानिय कलाकारसबहक दैनिक प्रस्तुति सेहो रहत मेला संयोजक ममता राजवंशी जानकारी देनेछथि । मेलामें सुमित खडका, प्रमोद खरेल,मेलिना राई,प्रसान्त तामाङ,ज्योति मगर,अमित पल,शिव परियार,डम्बर नेपाली,बलबहादुर राजवंशी,सन्नु कुमार आ अन्नु चौधरी लगायतक आमन्त्रित कलाकार सबहक प्रस्तुति रहएके कार्यक्रम तय भेल ओ जानकारी देनेछथि ।
मेलामें ब्यापारिक प्रयोजनके दर्जनों स्टलसब रहत आयोजक समिति जानकारी देने अछि । मेलाके बिराटनगरसहित आसपासके गाउँपालिका आ भारतस सेहो करिब एक लाख सर्वसाधारण अवलोकन करत आयोजक समितिके अपेक्षा अछि ।
महोत्सव आयोजनमें लगभग ६० लाख रुपैया खर्च होएत आयोजक समितिके अनुमान अछि । मेलाके सफल बनाबएलगेल १३ सदस्यिय मुल समिति सहित विभिन्न उपसमिति सब सेहो निर्माण कएलगेल अछि ।
मेलाके मिडिया पार्टनर मैथिली अनलाइन रहल अछि ।