विराटनगर । अप्पन विराटगढको परोपकार समाजके संयोजनमें विराटनगरमें आयोजन कएलगेल जितिया पर्व समारोहके ११ मं संस्करण भब्यरुपमें सम्पन्न भेल अछि ।

विराटनगरस्थित महेन्द्र मोरङ कलेज परिसरमें आयोजन कएलगेल समारोहमें हजारों लोक सहभागि भेल अछि । पुर्व प्रधानमन्त्री एवम नेकपा एमालेके अध्यक्ष केपी शर्मा ओलीके प्रमुख आतिथ्यमें आयोजन कएलगेल अहिबेरके कार्यक्रममें राष्ट्रिय तथा स्थानिय कलाकारसब सांस्कृतिक नृत्य तथा गीत प्रस्तुत कएलक ।

ओहि अवसरमें बजैत पुर्व प्रधानमन्त्री ओली मिथिलाके प्राचिन भुमि बिद्धानसबहक प्रादुर्भाव भेल क्षेत्रकेरुपमें स्थापित रहल बतौलनि । मिथिला,भोजपुरा आ विराट क्षेत्र ऐतिहासिकता आ पौराणिकतासंग जुडले क्षेत्र रहल सेहो बतौने छलथि ।

विश्वभरि शिक्षाके ज्योति नै पसरिसकल अवस्थामें सेहो मिथिला भुमिमें शास्त्रार्थ होइत रहल ओली बतौने छलथि । पुर्व प्रधानमन्त्री ओली धर्मसंस्कृतिके रक्षा कएलापर मात्र धर्म सेहो ब्यक्तीके रक्षा करैत अछि ताहिस धर्मसंस्कृतिके संरक्षण केनार्य आवश्यक रहल बतौने छलथि ।

ओ जितिया पर्व पौराणिक कालमें शुरु भेल आ एम्हर आबिक सब समुदायमें बिस्तार होइत गेनाई खुशीके बात रहल बतौने छलथि । ओहि क्रममें ओली समाजके अगुवा, विद्वान,पत्रकार सहित विभिन्न क्षेत्रमें योगदान देनिहार ब्यक्तीत्वसबके सम्मान कएने छलथि ।

कार्यक्रममें मिथिला क्षेत्रके चर्चित गायक आभाष लाभ,विरेन्द्र झा सहित विभिन्न विद्यालयके बालबालिकासब सांस्कृतिक आ जितिया बिशेष नृत्य आ गायन प्रस्तुत कएने छलथि ।

जितिया पर्वके संरक्षण सहित महिला शसक्तिकरणके उद्धेश्यस विगत ११ बर्षसँ निरन्तर जितिया पर्व आयोजन करैत आएल आयोजक संस्थाके अध्यक्ष बसुन्धरा झा जानकारी देनेछथि । कार्यक्रममें मैथिली अनलाइन मिडिया पार्टनरके भुमिका निर्वाह कएने छल ।

सम्बन्धित खबरहरु