विराटनगर । अहि भादो २५ आ २६ गते संघीय राजधानी काठमाण्डूमें ईण्डो–नेपाल होमियोपैथी साईन्स सम्मेलन होमए जारहल अछि ।
भारतके आयुष मेडिकल एशोसिएशन,होमियोपैथी मेडिकल एशोसिएसन अफ ईण्डिया,अल नेपाल होमियोपैथीक एशोसिएसन आ नेपाल होमियोपैथी चिकित्सक संघक आयोजनामें दू दिनक सम्मेलन होमए जारहल अछि । काठमाण्डूके यूनाईटेड वर्ल्ड ट्रेड सेन्टरमें आयोजना होमएबला होमियोपैथी साईन्स सम्मेलनमें नेपाल तथा भारत दुनू देशक होमियोपैथी चिकित्सा क्षेत्रमें संलग्न चिकित्सक आ होमियोपैथी खोज अनुसन्धानमें संलग्न संघसंस्थाके पदाधिकारीसबहक सहभागिता रहत ।
होमियोपैथी मेडिकल एशोसिएसन ईण्डियाके सभापति डाक्टर रामजी सिंहके प्रमुख आतिथ्यमें कार्यक्रम होम लागल अछि । सम्मेलनमें होमियोपैथी चिकित्सा क्षेत्रमें भेल नया खोज आ अनुसन्धानक बिषयमें दुनू देशक चिकित्सक आ वैज्ञानिकसब अध्ययन प्रतिवेदन प्रस्तुत करएके साथे अनुभव आदानप्रदान कएलजाएत नेपाल होमियोपैथी चिकित्सक संघक अध्यक्ष डा.रबिन्द्र राय बतौनेछथि ।
होमियोपैथी चिकित्साके विकासमें सम्मेलन महत्वपुर्ण साबित होएत ओ बतौनेछथि । सम्मेलनमें नेपालक होमियोपैथी चिकित्सक आ औषधि बिक्रेतासबहक सेहो सहभागिता रहत बताओलगेल अछि । नेपालमें लगभग २ सौ होमियोपैथी चिकित्सक रहल अछि । ताहिमध्ये ५० गोटे प्रदेश एकमें क्रियाशिल रहल नेपाल होमियोपैथी चिकित्सक संघ जानकारी देने अछि ।
कार्यक्रममें भारतीय होमियोपैथी चिकित्सा कमिटिके अध्यक्ष डा.एम के सहनी आ बिहार विश्वविद्यालयके डीन डा.भरतकुमार सिंह लगायतक सहभागिता रहत ।
डाक्टर बि भट्टाचार्यके स्मृतिमें आयोजना होमलागल सम्मेलनके भारतके केन्ट होमियोपैथी लेबेरेटरी प्रायोजन कएने अछि ।