विराटनगर । नेपाली कांग्रेस मोरङ जिल्लाके सबसँ कम उमरके जिल्ला सदस्य विरेन्द्र शाहके नाम प्रदेश सांसदमें सिफारिस भेल अछि ।

मोरङ क्षेत्र नम्बर २ (ख) सँ हिनक नाम सांसदहेतु सिफारिस भेल अछि । भादो १५ गते बैसल नेपाली कांग्रेसके क्षेत्रीय बैठकसँ प्रदेश सांसद सामानुपातिक दिस शाहके नाम सिफारीस भेल अछि । उमरसँ कम रहितो शाह काँग्रेसमें आबद्ध भक लम्बा समयसँ राजनीति करैत आएल छथि ।

शाह काँग्रेसके १४ म महाधिवेशनसँ मोरङ जिल्ला सदस्यमें लोकप्रिय मत हासिल कक निवार्चित भेल छलथि । विक्रमसम्बत २०५२ साल चैत २२ गते मोरङके साविक अमरदह गाबिस वडा नम्बर २ सुगामे जन्मल साह कक्षा ६ सँ नेपाली कांग्रेसके राजनीतिमें सक्रिय छथि ।

प्रखर बक्ताके रुपमें अपन छबि बनएनिहार विरेन्द्रके नेपाली काँग्रेसके नेतासब अमरदहस्थित श्री बीरेन्द्र सार्वजानिक माविके नेवि संघ सचिबमें मनोनित कएने छलथि । ओहि समयमें विरेन्द्र हसन्दह बाल क्लबके अध्यक्ष रहल छलथि । विरेन्द्रके कक्षा ९ में पढैतकाल नेपाली काँग्रेस अमरदहके क्रियाशिल सदस्यके मान्यता भेटल ।

किशोरा अवस्थे सँ पार्टीके क्रियाशिल सदस्यता हासिल केनिहार बिरेन्द्र कक्षा १० में पढैतकाल नेपाली काँग्रेस अमरदह गाबिसके सह–सचिबमें मनोनित भेलथि । तत्कालिन अमरदह गाविस सुनवर्षी नगरपालिकामें परिणत भेलापश्चात नगर सचिव भक काज कचुकल छथि ।

हाल ओ दर्जनौं संघ–संस्थामें आबद्ध रहल छथि । बिराटनगरके केन्द्र बनाक बिरेन्द्र पत्रकारिकतासंगे राजनीति आ समाज सेवामें सेहो सक्रिय छथि । ओ अपन पत्रकारिताके माध्यमसँ समस्यासँ पीडित तथा रोगी ब्यक्तीसबके यथासम्भव सहयोग जुटाबके काज सेहो करैत आएलछथि ।

बहुमुखी प्रतिभाके धनि बिरेन्द्र सिने तथा सांगितिक क्षेत्रमें सेहो अपन पहिचान स्थापित कचुकल छथि ।

सम्बन्धित खबरहरु