विराटनगर । मोरङ निर्वाचन क्षेत्र नम्बर ४ के (क) सँ नेपाली काँग्रेसके यूवा नेता मन्टु शेखके नाम प्रदेश सांसद लेल पहिल नम्बरमें राखिक सिफारिस कएलगेल अछि ।
काँग्रेस क्षेत्र नं. ४ के क्षेत्रिय समितिके बैठक शेखके नाम समानुपातिकदिस पहिल नम्बरमें सिफारिस कएने अछि । आगामी अगहन ४ गते होबएबला निर्वाचनमें मोरङ क्षेत्र नं. ४ (क) सँ जम्मा ३१ गोटेके नाम सिफारिस भेलामें शेखके नाम पहिल नम्बरपर अछि । अहिसँ पहिने शेख कटहरी गाउँपालिका वडानम्बर ४ सँ एक कार्यकाल वडाध्यक्षके जिम्मेवारी वहन कचुकल छथि ।
२०७४ के स्थानीय निर्वाचनमें ११७३ मत आनिक शेख निर्वाचित भेल छलथि । हुनक कार्यकालमें गाउँपालिकाभरिमे अब्बल आ उत्कृष्ट विकास निर्माणके काज करएमेै कटहरी ४ किर्तिमान कायम कएने छल । हुनक कार्यकालमें भेल काजके वडाबासी,गाउँपालिका आ पार्टीस्तरपर सराहना भेल छल ।
२०७९ के स्थानीय निर्वाचनमें फेरसँ वडाध्यक्षमे दोहराएके इच्छा रखनिहार शेख पार्टीके निर्णय अनुसार स्थानिय बुचाई शेखके सहयोग कएने छलथि । यद्यपि बुचाई जित नै निकालि सकलथि आ कटहरी ४ जनता समाजबादी पार्टीके हिस्सामें गेल अछि । कोरोना काल होए वा बाढि पीडितके समय शेखद्वारा निर्वाह कएलगेल सहयोगि भुमिका स्मरिणय अछि ।
सुखदुखमें जनताके घरद्वाईर पहुँचक सहभागि होइत आएल युवा नेता शेख सहज आ सरल स्वाभावके छथि । अपन ब्यवहार आ सेवा कार्यसँ ओ सब बर्गक सर्वसाधारणके मन जितने छथि । बितल स्थानीय निर्वाचनमें वडावासीसब सेहो हुनका फेरसँ वडाध्यक्षमें लडएलेल आग्रह कएने छल ।
से सम्भव नैभेलापर शेखके प्रदेश सभामें पठाबएके जनस्तरसँ आवाज उठल अछि आ स्थानीय पार्टी नेतृत्व सेहो हिनक नाम नम्बर १ मे सिफारिस कएने अछि ।