मधुबनी । भारत नेपालमें सुविख्यात रहल कथावाचक,धर्मसंस्कृति संरक्षक एवम समाजसेवी पं रामकुमार शास्त्रीजी भारत सरकारक गृह राज्यमंत्रि श्री नित्यानन्द रायद्वारा सम्मानित भेल छथि ।
हुनकर अपनहिं फेसबुक पोस्टसँ एहन जानकारी कराएल गेल अछि । राजविराजक भोरुकवा एफ एम ९२.८ मेगाहर्जमे निरन्तर १५ बरिषसँ “संस्कृति संदेश” नामक कार्यक्रम चलबैत आएल पण्डित जी के नेपाल भारतक सिमावर्ति क्षेत्रमे बेस प्रभाव रहल अछि ।
मुख्यत श्रीमद् भागवत महापुराणक प्रवक्ता ओ वेद पुराणक निक जानकार आ ज्योतिषाचार्य के रुपमे परिचित छथि । नेपाल भारतमे लाखौं शिष्य रहल शास्त्रीजी के सामाजिक, सांस्कृतिक आ राजनितिक रुपान्तरणमे सेहो योगदान रहैत आएल अछि ।
वेद ध्वनि मासिक पत्रिका के प्रकाशक-सम्पादक, वैदिक संस्कृति समाज, नेपालक अध्यक्ष तथा पं राम कुमार शास्त्री गौ सेवा आश्रम, रुपनी सप्तरीके संस्थापक संरक्षक रहल शास्त्री जी जनमानसमे बेस जुड़ल व्यक्तित्व छथि । मैथिलि भाषामे हुनकर कथा प्रवचन समाज कल्याणमे योगदान करैत आएल अछि ।
जनचेतना रुपि धार्मिक प्रवचनसँ समाजके सद्मार्ग के दिस निर्देशित करैत आएल छथि । ओहि सन्दर्भमे दुनु देशक नागरिक बिच सम्बन्ध प्रगाढ करैत समाज सुधारक दिस अमूल्य योगदान देबहेतु हुनका, प्रधानमन्त्री श्री नरेन्द्र मोदी नेतृत्वक भारत सरकारमे महत्वपूर्ण भूमिका निर्वहण करहल गृह राज्यमन्त्री एवं बिहार विजेपीके एक बड़का नेता सेहो रहल श्री नित्यानंद राय जी पाग आ दोसल्ला ओढाक सम्मानित कएने छथि ।
वितल शनिदिन बिहारक मधुबनी जिल्लास्थित झंझारपुर विधानसभा क्षेत्रमें एक कार्यक्रम के दौरान हुनका सम्मान कएलगेल हुनक पोस्टमें उल्लेख कएलगेल अछि । वार्षिक रुपमे हुनकासँ जुड़ल हजारौं भारतिय शिष्य आ शुभेच्छुक जन सप्तरीके रुपनि गाउँपालिका १ मे रहल हुनकर आश्रममे आबि सदविचार ग्रहण करैत आएल अछि ।