विराटनगर । विराटनगर ९ स्थित कबिर साहेब स्थान विराटेश्वर बृद्धाश्रमके आश्रितके भोजन करएने अछि ।
कुशे औंसीके अवसरपर बृद्धाश्रमके आश्रित ७० गोटेके भोजन कराएलगेल अछि । आश्रमके आश्रितके खीर,पुरी,जिलेबी,बुनिया सहितके मिष्ठान भोजन कराबएके साथे फलफुल वितरण कएलगेल कबिर साहेब स्थानके सभापति बाबुप्रसाद यादव जानकारी देनेछथि ।
कुशे औंसी बाबुके मुँह देखएबला दिनकेरुपमें सेहो मनाबएके परिपाटिट रहलासँ सन्तानद्वारा परियाग कएलगेलाक कारण आश्रमके बास लेलबेल बाध्य भेल जेष्ठ नागरीकके लक्षित कक भोजन कार्यक्रम आयोजन कएलगेल यादव बतौनेछथि ।
विराटनगरके बाटारोडमें रहल कबिर साहेब स्थान धार्मिक कार्यक्रमसबके साथे दिनदुखी आ साधुसन्त हेतु सेवामुलक कार्य करैत आएल अछि । ईस्वीसम्बत १४५४ में जन्मल कबिर साहेब अपन जीवनकालमें अहिंसा,सत्यवचन आ छुवाछुत मुक्त समाज निर्माणक हेतु प्रेरणा देलनि कबिर स्थानके उपसभापति महाबिरप्रसाद रौनियार जानकारी देनेछथि । इस्वीसम्बत १५५६ में १ सौ २० बर्षके उमरमें सन्त कबिरके निधन भेल बताओलगेल अछि । विराटनगरमें सन्त कबिरके ५ टा आश्रमसब अछि ।
कार्यक्रममें आयोजक संस्थाके सचिव दिपनारायण रौनियार,कोषाध्यक्ष संजिव यादव,सदस्यसब दिगम्बर यादव,लक्ष्मी यादव आ नागेन्द्र प्रसाद यादव लगायतक सहभागिता रहल छल ।