विराटनगर । जुवातास खेलरहल अवस्थामें विराटनगरसँ प्रहरी ८ गोटेके पक्राउ कएने अछि ।

तास खेलरहल बिशेष सूचनाके आधारमें पहुँचल प्रहरी विराटनगर ३ सँ ओकरासबके सोमके साँझ नियन्त्रणमें लेलक जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङके प्रवक्ता दिपक श्रेष्ठ जानकारी देनेछथि । जुवा खेलरहल स्थानसँ पुलिस नेपाली रुपैया ५१ हजार २ सौ ९८ आ २ हजार १ सौ भारु रुपैया सेहो बरामद कएने अछि ।

तहिना ३ बुक तास सेहो बरामद भेल प्रवक्ता श्रेष्ठ जानकारी देनेछथि । पकरलगेल ब्यक्तीसबमें विराटनगर महानगरपालिका वडा नम्बर ३ के ३९ बर्षिय नारायण राई आ ४६ बर्षिय अमित कार्की रहल अछि । तहिना विराटनगर ४ के ३८ बर्षिय भुवन केसी आ ४० बर्षिय दैलेश कुमार कार्की तथा बुढीगंगा गाउँपालिका १ के ४८ बर्षिय भुपेन्द्र राई रहल अछि ।

तहिना पक्राउ कएलगेल आन ३ गोटेमें बुढीगंगा २ के ६४ बर्षिय पूर्ण पाण्डे, ४५ बर्षिय तिर्थ केसी आ ४९ बर्षिय कृष्णबहादुर मगर रहल प्रहरी जानकारी देने अछि ।

पकरलगेल ब्यक्तीसबके ५ दिनके म्याद थप कक अनुसन्धान कार्य भरहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङ जानकारी देने अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु