विराटनगर,२३ जेठ । निषेधाज्ञाके कारण रोजीरोटी गुमलासँ खाद्यान्नके संकट भोगिरहल ब्यक्तीसबके लक्षित कक विराटनगरमें फूड बैंक संचालन कएलगेल अछि ।
खाद्यान्नके संकटमें रहल विपन्नवर्गके दैनिक निशुल्क खाद्यान्न उपलब्ध कराबएके उद्धेश्यसहित फूड बैंक संचालन कएलगेल अछि । फुड बैंक विराटनगर ५ बरगाछीस्थित तुुलसी बहुमुखी संस्थाके शो–रुममें सञ्चालन कएलगेल अछि । शिखर अर्गनाइजेसनद्वारा सञ्चालन कएलगेल फुड बैंक मार्फत निषेधाज्ञा प्रभावित अति विपन्न परिवार दैनिकरुपमें राहत खाद्यान्न पाबिसकत । अगिला वर्षके लकडाउनके समयमें स्थानीय सरकार आ विभिन्न संघसंस्थाद्वारा राहत वितरण कएलगेलोपर अहिबेरके निषेधाज्ञामें सरकारी पक्षसँ राहत वितरण नै कएलगेल अछि जाहिसँ विपन्न परिवारके दैनिक गुजारामें समस्या भरहल समयमें फुड बैंकमार्फत सहयोग शुरु कएलगेल अछि । सक्षम ब्यक्तीसब बैंकमें खाद्यान्न दसकैत अछि आ विपन्न ब्यक्ती निशुल्करुपमें खाद्यान्न लसकैत अछि । फुडबैंक संचालक समिति जानकारी देने अछि । दैनिक भोरमें बिहान ७ बजेसँ १० बजेधरि संचालन होबबला फूड बैंकसँ एकगोटे ब्यक्ती दू किलो चाउर, आधा किलो दालि आ एक किलो नुन लसकैत अछि । शिखर अर्गनाइजेसन अन्तर्गतकें नटराज एग्रो प्रा.लि, तुलसी बहुमुखी सहकारी संस्था, गोर्खा टी एण्ड कफी, तुुलसी इण्डस्ट्रिज प्रा.लि आ शिव शिखर एग्रो प्रा.लि.संयुक्तरुपमें फूड बैंकके स्थापना कएने अछि । तत्कालकेलेल आगामी किछु दिनतक राहत उपलब्ध कराबएके हिसाबसँ बैंक संचालन कएलगेलोपर दातासब मार्फत सहयोग भेटलपार अभियानके निषेधाज्ञा अवधितक संचालन कएलजाएत संचालक समिति जानकारी देने अछि । मोरङमें निषेधाज्ञा लगाएलगेल एक महिनासँ बेसी भचुकल अछि । अहि समयमें सब क्षेत्र बन्द रहलासँ दैनिक मजदुरी कक परिवार पाल्निहार लोकसब समस्यामें परल अछि ।