विराटनगर । सुनसरीके बराहक्षेत्र नगरपालिकास्थित चतरामें रहल एकटा सोनचानी दोकानसँ लाखों मुल्य बराबरके गहना चोरी केनिहार एकगोटेके प्रहरी नियन्त्रणमें लेने अछि ।

सुनसरीके बराहक्षेत्र नगरपालिका १ चतरास्थित औलिया ज्वलर्समें चोरी केनिहार सैह स्थानक २६ बर्षिय अनिल बराइलीके प्रहरी पक्राउ कएने अछि । अभियुक्त बराइली सोन दोकानके केवाड तोडिक लकर बाहर राखल सोनचानीके गहनागुडिया चोरी कक फरार भेल अवस्थामें पक्राउ कएलगेल प्रहरी जानकारी देने अछि ।

घटनाके तत्काले ईलाका प्रहरी कार्यालय चतरा आ ईलाका प्रहरी कार्यालय महेन्द्रनगरसँ खटल प्रहरी टोली चोरी भेलाके २४ घण्टा बितएसँ पहिने चोरीमें संलग्न भेल ब्यक्तीके पकरएमें सफल भेल बताओलगेल अछि ।

अनुसन्धानके क्रममें शंकास्पद रहल अनिल बराईलीके कोठली भितर खोज कएलापर दराजके पाछा कारी झोडामें नुकाक राखलगेल चोरीके गहनासब सोन ६ तोला ८३ लाल आ चाँदीके गहनासब २९७ तोलाके अन्दाज १० लाख ४० हजार ५९० बराबरके गहना बरामद भेल प्रहरी जानकारी देने अछि ।

बराईलीके ईलाका प्रहरी कार्यालय महेन्द्रनगरमें राखिक थप अनुसन्धान भरहल प्रहरी जानकारी देने अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु