प्रदेश एकमें ७० हजार ब्यक्तीके कोभिड १९ विरुद्धके भेरोसेल खोप लगाबएके तैयारी कएलगेल अछि । जेठ २५ गतेसँ १४ जिल्लामे खोप लगाओलजाएत । 
६० सँ लक ६४ वर्ष उमर समूहके व्यक्तिसबके कोभिड १९ विरुद्धके खोप लगाबहेतु प्रदेशके सब जिल्लामें खोप पठाके काज भरहल प्रदेश स्वास्थ्य आपुर्ती व्यवस्थापन केन्द्र विराटनगरके प्रमुख शम्भु शाह जानकारी देनेछथि । हुनकर अनुसार सोम दिनतक प्रदेश एकके सब जिल्लामें खोप पहुँचजाएत । स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालय प्रदेश एकमें दुनु मात्राकेलेल १ लाख ४० हजार ५०५ डोज खोप पठौने अछि । शाहके अनुसार ताप्लेजुङमें ३,७०३, संखुवासभामें ४,४००, सोलुखुम्वुमें २,८८५, ओखलढुङ्गामें ४,२९१, खोटाङमें ४,८४८, भोजपुर ४,३४७, धनकुटामें ४,८५३, ते¥हथुममें २,८४६, पाँचथरमें ५,५८१, इलाममें ८,८६२, झापामें २६,४१९, मोरङमें ३१,१८५, सुनसरीमें २६,१३२, उदयपुरमें १०,१५१ डोज खोप पठाबके काम भरहल अछि । शाहके अनुसार दुनू डोजकेलेल खोप पठाएलगेल अछि । कोभिड १९ विरुद्धके भेरोसेल खोप सरकारद्वारा निर्धारण भेल मापदण्ड अनुसारके व्यक्तिसबके मात्र लगाबलेल सामाजिक विकास मन्त्री उषाकला राई निर्देशन देनेछथि । विश्व स्वास्थ्य संगठन भेरोसेल १८ वर्षसँ उपर कोनो उमर समूहके ब्यक्ती लगासकैत अछि बतौने अछि मुदा पहिल चरणमें प्राप्त खोप ६०–६४ वर्ष उमर समूहके व्यक्तिसबके मात्र लगाबलेल सरकार मापदण्ड बनौने अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु