विराटनगर । लंदनके यूके बोर्डसँ एसिसिए सम्बन्धन प्राप्त केनिहार विराटनगरस्थित सोम्स कलेज विद्यार्थीके लक्षित कक अभिमुखिकरण कार्यक्रम कएने अछि ।

विराटनगर ९ स्थित उक्त कलेज एकटा निजी होटलमें नव आगन्तुक विद्यार्थी तथा प्राध्यापकसबके सहभागि कराक अभिमुखिकरण कार्यक्रम कएने अछि । कार्यक्रममें एसिसिए रवि शाह,अमित अग्रवाल,सिए अनन्त काफ्ले आ प्राध्यापक गणेश दाहाल लगायत विद्यार्थीके एसिसिए आ बिबिएस कोर्सके बिषयमें जानकारी करौने छलथि ।

ओहि बिषयमें जानकारी दैत कलेजके संचालक रोशन घिमिरे सोम्स २०१८ एम्हर एसिसिए कोर्सके अध्यापन करबैत आएल बतौलनि । यूके बोर्डसँ सम्बन्धन प्राप्तकक कलेजद्वारा अध्यापन होइत आएल उक्त कोर्स विश्वके १८१ देशमें मान्यता प्राप्त रहल ओ जानकारी देलनि ।

कोनो कारणबश अध्ययनरत समयमें बाहर जाएके अवस्था अएलापर कोनो देशमें जाक अहि कोर्सके निरन्तरता देलजासकैत अछि संचालक घिमिरे बतौनेछथि । कार्यक्रमके सहभागि विद्यार्थीसब उक्त कोर्ससबके बिषयमें अपनामें रहल जिज्ञासासब रखने छल तथा कलेजक प्राध्यापक आ संचालक पक्ष विद्यार्थीके जिज्ञासा समाधान कएने छल ।

कार्यक्रमकबीच मकालु टेलिभिजनके सहसम्पादक सन्तोष सिग्देल आ पत्रकार पुष्पराज थपलियाके सम्मान कएलगेल छल । अभिमुखिकरण कार्यक्रममें १ सौ ५० सँ बेसी विद्यार्थी सहभागि भेल छल ।

नेपालमें काठमाण्डू बाहर विराटनगरके सोम्स कलेजमें मात्र एसिसिए कोर्सके अध्यापन भरहल संचालक पक्ष जानकारी देने अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु