विराटनगर,२२ अखार–प्राचिन कलाके संरक्षण करएके उद्धेश्यकसँग विराटनगरमे मैथिल चित्रकला प्रतियोगिता आयोजना होमए जारहल अछि । आबबला साओन ४ सँ ८ गतेधरि प्रतियोगिता आयोजन कएलजाएत । 
मैथिली विकास अभियानके आयोजना तथा ब्राण्डस्टर नेपालसंगके सहकार्यमें प्रतियोगिता आयोजना कएलजारहल अछि । सामाजिक संजाल आ अनलाईनलाईनके माध्यम सँ प्रतियोगिता आयोजना कएलजाएत संयोजक आँचल मल्लिक जानकारी देनेछथि । प्रतियोगितामें हरेक उमर समुहके इच्छुक महिला तथा पुरुष सहभागि भसकत ओ बतौनेछथि । प्रतियोगितामें सहभागिताकलेल आयोजक समितिद्वारा निर्धारण कएलगेल व्हाट्सएप नम्बरमे सम्पर्क करएके ब्यवस्था कएलगेल अछि । सहभागिताकलेल प्रतियोगिके एक सौ रुपैयाके फर्म भरए परत । बितल अखार २० सँ फर्म लेबके काज शूरु भेल आ आबबला साओन १ धरि निर्धारित शुल्क जमा कक सहभागि भेल जासकैत अछि आयोजक समिति जानकारी देने अछि । प्रतियोगितामे सहभागिताके इच्छुक ब्यक्तीसब मिथिला आर्टके परिधिभित्र रहिक  अपन इच्छा अनुसारक बिषयमें चित्र बनासकैत अछि । ताहिलेल १२ बाई १८ इन्चके आर्ट पेपरमें चित्र बनाक तय कएलगेल व्हाट्सएपमें फोटो खिचक पठाबलेल कहलगेल अछि । प्रतियोगिद्वारा पठाएलगेल चित्रसबके सामाजिक संजालमें राखलजाएत आ ताहिमध्य बेसी लाईक प्राप्त केनिहार तथा निर्णायक समेतद्वारा देलगेल अंकके आधारमें बिजयी घोषणा कएलजाएत । प्रतियोगितामे पहिल,दोसर आ तेसर भेल बिजेतासब क्रमशः ४ हजार,३ हजार आ २ हजारके नगद पुरस्कार राशी प्रदान कएलजाएत । मिथिला चित्रकला प्राचीन सभ्यता आ संस्कृतिसंग जुडल कला रहलासँ तेकरा संरक्षण आ सम्बर्धन करएलेल प्रतियोगिता कएलजारहल आयोजक मैथिली विकास अभियानक अध्यक्ष पंकज बर्मा बतौनेछथि । प्रतियोगिताके मैथिल संसार अनलाईन प्रर्बधन करहल अछि । इच्छुक ब्यक्ती ९८१०४९१६१४ नम्बरके व्हाट्सएप नम्बर पर सम्पर्क कसकैत छी ।  

सम्बन्धित खबरहरु