विराटनगर । लावारिस शव ब्यवस्थापनमें सक्रिय भारत बिहार राज्यके अररियास्थित ‘संवेदना’ समुहके विराटनगरमें सम्मान कएलगेल अछि ।
एजुकेशन मेसेज मिडिया प्रालि,नेपाल भारत सामाजिक सांस्कृतिक मञ्च आ नेपाल भारत रेल यात्रु सहजिकरण समितिद्वारा ३० जुलाईकेदिन विराटनगरमें संयुक्तरुपमें आयोजन कएलगेल कार्यक्रमकबीच ‘संवेदना’ समुहके सम्मान कएलगेल अछि ।
कार्यक्रमकबीच नेपालक मधेश प्रदेशके उद्योग,पर्यटन तथा वन मन्त्रालयके सचिव विशाल घिमिरे,धनुषाके डिएफओ सुरेश शर्मा, एजुकेशन मेसेज मिडियाके अध्यक्ष पवनकुमार शाह आ नेपाल भारत सामाजिक सांस्कृतिक मञ्चके अध्यक्ष राजेश शर्मा लगायत हुनकासबके सम्मान कएलनि ।
संवेदना समुहके कदरपत्र, दोसल्ला आ फुलमालासहित सम्मान कएलगेल छल । कार्यक्रमकबीच ‘संवेदना’ समुहक अध्यक्ष रमेश सिंह,उपाध्यक्ष सुरजकुमार सोनु आ सचिव पवन मिश्रा सम्मान ग्रहण कएने छलथि । तहिना सदस्य सहजादा साद,मोहम्मद उमर,रुबी देवी,सुनिता देवी,मुमताज सलाम,राजेश राज आ धिरेन्द्र मेहता सेहो संयुक्तरुपमें सम्मान ग्रहण कएने छलथि ।
‘संवेदना’ में आबद्ध सदस्य लोकनि २०१८ एम्हर विभिन्न कारणसँ मृत्यू भेल तथा वारिस पता नैलागल शवके अन्तिम संस्कारके अत्यन्त उदाहरणिय काज करैत आएल नेपाल भारत सामाजिक सांस्कृतिक मञ्चके अध्यक्ष राजेश शर्मा जानकारी देनेछथि ।
कार्यक्रमकबीच अररियाके समाजसेवी डाक्टर सुस्मिता ठाकुरके सेहो सम्मान कएलगेल छल ।