विराटनगर । अन्तरराष्ट्रिय मित्रता दिवसके अवसरपर नेपाल तथा भारतके सिमावर्ती क्षेत्रमें बृक्षारोपण कएलगेल अछि ।
ओहि अवसरमें विराटनगर १४ में रहल ऐतिहासिक रानी माई पोखरि आ भारतके जोगबनी लग रहल परमान नदी कातमें बृक्षारोपण कएलगेल अछि । नेपाल तथा भारतके संस्थाके संयुक्त आयोजनामें दुनूदिस बृक्षारोपण कएलगेल अछि ।
कार्यक्रम अन्र्तगत रानीमाई पोखरि कातमें विभिन्न प्रजातिक एक सौ गाछ रोपलगेल छै तथा परमान नदीके मिरगंज पुल लग ४० टा गाछ रोपलगेल छैक । दुनूदिस आयोजन कएलगेल कार्यक्रममें नेपाल तथा भारत दुनू देशके समाजसेवी आ प्रतिनिधिसबके सहभागिता रहल छल ।
पर्यावरण रक्षाहेतु बृक्षारोण नारासहित गाछ रोपलगेल आयोजक एजुकेशन मेसेज मिडियाके अध्यक्ष पवनकुमार साह जानकारी देनेछथि । बृक्षारोपण पश्चात विराटनगरस्थित नेपाल पत्रकार महासंघ मोरङमें कार्यक्रमके आयोजन करैत नेपाल तथा भारतदिस समाजसेवामें सक्रिय संस्था तथा समाजसेवीसबके सम्मान कएलगेल छल ।
कार्यक्रमकबीच भारत अररियामें लावारिस शव ब्यवस्थापनमें सक्रिय ‘समवेदना’ समुहके सम्मान कएलगेल छल । तहिना अररियाके समाजसेवी डाक्टर सुस्मिता ठाकुर, विराटनगरके समाजसेवीद्वय महेश साह, गणेश साह आ विराट समाज लगायतके सम्मान कएलगेल छल ।
कार्यक्रमकबीच मधेश प्रदेशके उद्योग,पर्यटन तथा वन मन्त्रालयके सचिव विशाल घिमिरे,धनुषाके डिएफओ सुरेश शर्मा आ आयोजक नेपाल भारत सामाजिक सांस्कृतिक मञ्चके अध्यक्ष राजेश शर्मा लगायत हुनकासबके सम्मान कएलनि । ओहि अवसरमें बजनिहार वक्तासब वनजंगल विनाश होइतगेलापर चिन्ता ब्यक्त कएनेछलथि ।
बृक्षारोपणमें बृद्धि नैकएलापर आगामी पुस्ताके भारी संकट खेपएपरत ओसब धारणा रखने छलथि ।विराटनगरस्थित एजुकेशन मेसेज मिडिया प्रालि,नेपाल भारत सामाजिक सांस्कृतिक मञ्च आ नेपालभारत रेल यात्रु सहजिकरण समितिके संयुक्त अयोजनामें बृक्षारोपण,अन्तरक्रिया तथा सम्मान कार्यक्रम कएलगेल छल ।
कार्यक्रममें जनकपुर वन प्राविधिक समाज आ डिभिजन वन कार्यालय मोरङ सहकार्य कएने छल ।