विराटनगर ३१ असार,नेपालमें पहिलबेर विराटनगरमें नवग्रह देवताके मुर्ति स्थापना कएलगेल अछि । विराटनगर ८ मधुमारास्थित श्री कृष्ण द्वैपायन ब्याशाश्रम मन्दिर परिसरमें मुर्ति स्थापना कएलगेल अछि ।
ओहि मन्दिरमें नवग्रहसहितके अओर उन्नैसटा देवीदेवताके मुर्तिके स्थापना कएलगेल अछि । मुर्ति स्थापना पश्चात असार २८ सँ असार ३१ धरि ओहिठाम बैदिक बिधिविधान अनुसार प्राणप्रतिष्ठाके पुजाआजा आयोजना कएलगेल अछि । साओन १ सँ सर्वसाधारणके पुजापाठक लेल मन्दिर खोललजाएत मन्दिर समिति जानकारी देने अछि । नवग्रहके मुर्ति स्थापना तथा मन्दिरके जीर्णोधार करएमें ५१ लाख बजेट खर्च भेल समिति जानकारी देने अछि ।
मन्दिरकेलेल विराटनगर महानगरपालिका १४ लाख आ निर्वाचन क्षेत्र विकास कार्यक्रम अन्र्तगत सांसद अमनलाल मोदीद्वारा १० लाख प्रदान कएलगेल मन्दिर निर्माण कमिटिके अध्यक्ष राजन भण्डारी बतौनेछथि । बांकी रकम दाता तथा स्थानिय श्रद्धालुसबसँ संकलन कएलगेल ओ बतौनेछथि । नेपालमें पहिलबेर विराटनगरमें नवग्रहके नौवटा मुर्ति एकेसाथ स्थापना कएलगेल भण्डारीके कहब छन्हि । विराटनगर ८ के ब्यासमार्ग नामाकरण कएलगेल ओहि सडक किनारमें रहल कदमके गाछ निच्चा बहुते पहिनेसँ आस्थावना सब पुजापाठ करैत आएल छल । ओहि ठाँओमें २०४२ सालमें मन्दिर निर्माणकक बेदब्यासके मुर्ति स्थापना कएलगेल छल । पहिनुका मन्दिर जीर्ण भेलापर तेकरा जीर्णोधार कक नया मुर्तिसब सेहो स्थापित कएलगेल अछि ।