विराटनगर । भन्सार छलिक विराटनगरदिस आनलजारहल ५ लाखसँ बेसी मुल्य बराबरके लत्ताकपडा प्रहरी बरामद कएने अछि ।
जिल्ला प्रहरी कार्याय मोरङके टोली विराटनगर १६ स्थित दरैयाके बाट होइत मारुती भैनमें लोडकक बजारदिस आनलजारहल लत्ताकपडा आ खाद्यान्न बरामद कएने अछि । मे १ त २२८६ नम्बरके मारुती भैनमें अवैधरुपमें भन्सार छलिक लत्ताकपडा आ खाद्यान्न आनिरहल अवस्थामें चेकजाँचके क्रममें प्रहरी बरामद कएलक ।
बरामदभेल लत्ताकपडा तथा खाद्यान्नके मुल्य ५ लाख १३ हजार ७ रहल प्रहरी जानकारी देने अछि ।
तहिना इलाका प्रहरी कार्यालय रानीके प्रहरी टोली सेहो विराटनगर–१५ में रहल मिनि बसस्टेण्डसँ भन्सार छलिक आनलगेल ७६ हजार ९ सौ मुल्य बराबरके खाद्यान्न आ कपडा बरामद कएलक बताओलगेल अछि ।