विराटनगर । लायन्स क्लब अफ विराटनगर सिटि आ लियो क्लब अफ विराटनगर सिटि कोरोना बिरुद्ध सप्ताहब्यापी सचेतनामुलक कार्यक्रम शुरु कएने अछि ।
विराटनगरके मेनरोडस्थित बुधहाटचोकमें बुधदिन भोर सचेतनामुलक कार्यक्रम आयोजना करैत उक्त क्लबसब साताब्यापी कार्यक्रम शुरु कएने अछि । आईभोरेसँ मौसम प्रतिकुल रहलोपर आयोजक क्लबसब पुर्वनिर्धारित कार्यक्रम अनुसार बर्षामें भिजैत कार्यक्रम कएने अछि ।
कार्यक्रम अन्र्तगत मास्क नै पहिरक सवारीसाधन चलारहल सवारी चालक आ पैदलयात्रीके मास्क तथा सेनिटाईजर वितरण कएलगेल छल । एम्हर आबिक कोरोनाके नया भेरियन्ट तीब्र गतिमें फैलरहल तथा फेरसँ महामारीके जोखिम बढैतगेल अवस्थाके ध्यानमें राखिक सचेतनामुलक कार्यक्रम कएलगेल आयोजक लायन्स क्लब अफ विराटनगर सिटिके अध्यक्ष निर्मला सुवेदी बतौनेछथि ।
कोभिडसँ बचएलेल सर्वसाधारणके सर्तकता अपनाबए आ कोभिड सम्बन्धि प्रोटोकोल पालना करएलेल आग्रह सेहो कएलगेल ओ बतौनेछथि । कार्यक्रम अन्र्तगत १५ सौ सँ बेसी ब्यक्तीके निशुल्करुपमें मास्क आ सेनिटाईजर वितरण कएलगेल लियो क्लब विराटनगरके अध्यक्ष सुगम पोखरेल जानकारी देनेछथि ।
कार्यक्रममें लायन्स क्लबके जोनचेयर पर्सन प्रबीण अग्रवाल, चार्टड प्रेसीडेण्ट अन्जु उपाध्याय,पुनम दाहल,ज्ञानेश्वर नेपाल,पास्ट पे्रसीडेण्ट रमेश पोखरेल आ अधिवक्ता मनोहरकुमार कोइराला लगायतक सहभागिता छल ।
आयोजक क्लबसब सप्ताहब्यापी कार्यक्रम अन्र्तगत बृहस्पतिदिन रोडशेषचौपर मास्क तथा सेनिटाईजर वितरण करत बताओलगेल अछि ।