विराटनगर । चोरी तथा अपराधके घटनामें बेरबेर संलग्न रहैत आएल एकगोटे यूवाके प्रहरी चोरीके गहना आ नगद सहित विराटनगर १३ सँ पक्राउ कएने अछि ।
पकरलगेल ब्यक्ती बिराटनगर–१३ के १८ बर्षिय बिबेक कामत रहल अछि । बिराटनगर–८ मधुमाराक् राजेश साहके कोठलीस अखार २९ गते रातिमें सोनचाँन्दीके बिभिन्न गहनागुडिया आ नगद ४६ हजार रुपैया सेहो चोरी भेल छल ।
चोरीके ओहि घटनाके अनुसन्धानके क्रममें जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङसँ खटल प्रहरी टोली कामतके चोरीके गहना आ रुपैया सहित पक्राउ कएने अछि । पकरलगेल कामतके जिल्ला अदालत मोरङसँ म्याद थप कक अनुसन्धान शुरु कएलगेल प्रहरी जानकारी देने अछि ।
कामत अहिसँ पहिनहुँ स विभिन्न अपराधक घटनासबमें संलग्न होइत आएल प्रहरी जानकारी देने अछि । २०७२ सालमें ईलाका प्रहरी कार्यालय पथरीसँ जवरदस्ती करणी मुद्दामें पकरलगेल कामतके अनुसन्धान पश्चात बालसुधार गृहमें राखलगेल प्रहरी जानकारी देने अछि ।
तहिना २०७६ सालमें ईलाका प्रहरी कार्यालय रानीसँ पहिलबेर चोरी मुद्दा चलाएलगेल तेकरबाद २०७८ सालमे जिल्ला प्रहरी कार्यालय दोसर घटनामें ओकरा उपर चोरीके मुद्धा चलएलक ।
एम्हर आबिक फेरसँ कामतके चोरीमें संलग्नता भेटल प्रहरी जानकारी देने अछि ।