कटहरी । मोरङके कटहरी गाउँपालिकामें प्रहरी चौकी स्थापना कएलगेल अछि ।
अहिसँ पहिने वडानम्बर ३ कार्यालय रहल भवनमें प्रहरी चौकी स्थापना कएलगेल अछि । ओहिठाम सोमदिन आयोजित कार्यक्रमकबीच मोरङके प्रमुख जिल्ला अधिकारी काशीराज दाहाल आ गाउँपालिका प्रमुख देवराज चौधरी संयुक्तरुपमें चौकीके उद्घाटन कएलनि ।
गाउँपालिका कार्यालय परिसरमें रहल भवनमें चौकी स्थापना कएलगेल अछि । अहिसँ पहिने ओहि भवनमें रहल ३ नम्बर वडा कार्यालय दक्षिणदिसके भट्टा लग अपन भवन बनाक स्थानान्तरण भेला पश्चात खाली रहल भवनमें चौकी स्थापना कएलगेल कटहरी ३ के वडाध्यक्ष जदुलाल कामत जानकारी देनेछथि ।
ओहि अवसरमें बजैत मोरङके प्रमुख जिल्ला अधिकारी दाहाल चौकी स्थापना भेलापर ओहिक्षेत्रके शान्तिब्यवस्था थप सुदृढ होएत बातक विश्वास ब्यक्त कएलनि । गाउँपालिका प्रमुख चौधरी विराटनगरसँ लग रहलोपर कटहरी विभिन्न क्षेत्रमें पाछा छुटल बतौलनि ।
एम्हर आबिक आपराधिक घटनासबमें बृद्धि होइगतेलापर प्राथमिकतामें राखिक चौकी स्थापनाके पहल कएलगेल ओ बतौनेछथि । अध्यक्ष चौधरी प्रहरीके आवश्यक रहल भौतिक सामाग्रिके ब्यवस्थापनहेतु सेहो अपने पहल करवाक प्रतिबद्धता ब्यक्त कएने छलथि ।
मोरङके प्रहरी प्रमुख शान्तिराज कोइराला पालिकामें शान्तिसुरक्षाके सुदृढ बनाबएहेतु स्थानीय आ प्रहरीबीच सहकार्य आवश्यक रहल बतौने छलथि । कार्यक्रममें गाउँपालिकाके कार्यसमिति सदस्य श्यामप्रसाद मण्डल,जनता समाजबादी पार्टीके नेता मृत्यूञ्जय झा लगायत स्थानियवासीके सहभागिता छल ।