विराटनगर । विराटनगरमें चौदहम ‘सेप’ भारतीय शैक्षिक मेला होबए जारहल अछि ।

विराटनगरके नमस्कार होटलमें सोमदिनसँ दू दिनधरि ई शैक्षिक मेला होबए जारहल अछि । सेप इभेन्ट्स एण्ड मिडिया प्राइभेट लिमिटेड प्रत्येक वर्ष नेपालक प्रमुख सहरसबमें एहन शैक्षिक मेला करैत आएल अछि । आयोजक समिति रबिदिन पत्रकार सम्मेलनके आयोजना करैत मेलाके बिषयमें जानकारी करएने अछि ।

शैक्षिक मेलामें भारतके प्रतिष्ठित विश्वविद्यालयके प्रतिनिधिसबहक सहभागिता रहत बताओलगेल अछि । शैक्षिक मेलामें भारतमें अध्ययनके इच्छुक रहल विद्यार्थीसबके ओहिठामक विश्व विद्यालयके बिषयमें प्रत्यक्ष जानकारी लेबके अवसर प्राप्त होएत सेप इभेन्ट्स एण्ड मिडिया प्रालिके निर्देशक सञ्जय थापा बतौनेछथि ।

शैक्षिक मेलामें करिब ३० टा विश्वविद्यालय सहित प्रतिनिधि मण्डलके सदस्यसब परामर्शहेतु सहभागी होएत । शैक्षिक मेलामें एसआरएम, भिआइटी, एमिटी, अमृता, जैन, किट आ शारदा जेहन चर्चित शैक्षिक संस्था मेलामें सहभागि होएत निर्देशक थापा बतौनेछथि ।

इ शैक्षिक मेला नेपालमें आयोजना होबएबला सबसँ पुरान शैक्षिक मेला रहल आयोजक समिति जानकारी देने अछि । नेपालमें विगत १४ वर्षसँ इ मेला लगातार आयोजन होइत आएल अछि ।

मेलाके करिब २ हजार विद्यार्थीके सहभागिता रहत आयोजक समितिके अपेक्षा अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु