विराटनगर । सुनसरीके एकगोटे यूवा प्रदेश एकके राजधानी विराटनगरसँ ताप्लेजुङके पाथिभरा मन्दिरधरिके उन्टा पदयात्रा शुरु कएने अछि ।

बराहक्षेत्र नगरपालिका ५ के ओमप्रकाश बानियाँ अखाढ ३२ गते प्रदेश राजधानी विराटनगरसँ उन्टा पदयात्रा शुरु कएने छथि । स्थानिय रोडशेषचौकस्थित एकटा होटलमे पत्रकार सम्मेलनक आयोजना पश्चात बानिया ओहिठाँमस पदयात्रा शुरु कएने छथि ।

विराटनगरसँ ताप्लेजुङके पाथिभरा मन्दिरधरिके २०५ किलोमिटरके दुरी उन्टे चलिक पहुँचके बानियाके लक्ष्य अछि । तराईके जिल्लासबमें दैनिक लगभग १५ किलोमिटर आ पहाडी जिल्लासबमें अवस्था अनुसार पदयात्रा करैत २९ दिनमें पाथिभरा मन्दिर पहुँचके हुनक लक्ष्य अछि ।

हुनक यात्रामे प्रदेश सरकारके आन्तरिक मामिला आ पर्यटन मन्त्रालय सेहो सहयोग करहल अछि । प्रदेशके आन्तरिक मन्त्रालय बानियाँके सुरक्षा हेतु दूगोटे सुरक्षाकर्मी उपलब्ध करएने अछि । यात्राके क्रममें ईलाका प्रहरी कार्यालय रानीके दूगोटे सुरक्षाकर्मी बानियाँ संगे रहत ।

आन्तरिक पर्यटन प्रर्बधन करवाक उद्धेश्यसहित अपने उन्टा पदयात्रा करहल बानियाँ बतौनेछथि । अहिसँ पहिने बानियाँ २०७५ सालमें साईकिलसँ देशक ७७ जिल्लाके ११ महिना ३ दिन लगाक यात्रा कचुकल छथि । यात्राके क्रममें बाटमें बासके ब्यवस्था हेतु बानियाँ अपनासंग पोर्टेबल टेन्ट सहित न्युनतम आवश्यकताक किछु सामाग्रि सेहो लक चलल छथि ।

यात्राके क्रममें बानियाँ प्रदेशक ६ जिल्ला मोरङ,सुनसरी,झापा,ईलाम आ पाँचथर होइत ताप्लेजुङ धरि पहुँचएके रुट तालिका अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु