विराटनगर । मैथउड फिल्म ईण्डस्ट्रिज क प्रस्तुति रहल मैथिली सर्ट मुभि ‘रुद्रा’ क निर्माण तथा सम्पादनके सम्पुर्ण काज पुरा भेल निर्माण पक्ष जानकारी देने अछि ।

आबबला साओन ६ गते इ फिल्म छिन्नमस्ता फिल्मसके यूट्युब चैनलपर रिलिज होमए जारहल अछि । प्रेम कथापर आधारित अहि एक्शन फिल्म फिल्मके कथा आशिष आर्यन लिखने छथि तहिना पटकथा सम्बाद आ निर्देशन राजु राजदेव चौधरीक छन्हि ।

फिल्ममें आशिष आर्यन,काजल कर्ण,जैक आ राजु यादव मुख्य भुमिका निर्वाह कएने छथि । विराटनगर महानगरपालिकाके विभिन्न क्षेत्रमें अहि फिल्मके छायांकन कएलगेल अछि । फिल्मके छायांकन जोशन थापा कएने छथि आ सेभेन स्टुडियोके सहकार्यमें छिन्नमस्ता फिल्म्स फिल्मके पोस्ट प्रोडक्सन कएने अछि ।

नव सोच आ अवधारणाक संग अहि फिल्मके निर्माण कएलगेल निर्देशक चौधरी बतएने छथि । डिजिटल प्रबिधिपर आधारित इ फिल्म ३० मिनटके अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु