विराटनगर । श्रीमतिके मट्टितेल छिटक आगि लगएनिहार एकगोटेके मोरङके रंगेलीसँ प्रहरी पक्राउ कएने अछि ।
श्रीमतिके आगि लगाक हत्या करएके अभियोगमें प्रहरी रंगेली नगरपालिकाका १ बिर्ता बजारके तिलका मल्लिकके पक्राउ कएने अछि । घरायसी झगडा भेलापर असार १७ गतेके राति मल्लिक ३१ बर्षिय श्रीमति बबिता मल्लिकके देहपर मट्टितेल छिटक आगिक लगाक फरारभेल प्रहरी जानकारी देने अछि ।
ओहि घटनामें गम्भीर घायल भेल बबिताके उपचारहेतु विराटनगरस्थित कोशी अस्पताल आनलगेलामें शनिदिन भोरे हुनक मृत्यू भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङके प्रवक्ता दिपक श्रेष्ठ जानकारी देनेछथि । घटना पश्चात खटल ईलाका प्रहरी कार्यालय रंगेलीके टोली अभियुक्त श्रीमान तिलकाके नियन्त्रणमें लेलक बताओलगेल अछि ।
ओहि घटनामें मल्लिक परिवारके घरमे आगि लगलापर घरभितर रहल अन्न आ कपडालत्ता सेहो जरिक २ लाख बराबरके क्षति सेहो भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङ जानकारी देने अछि ।