विराटनगर । जटिल रोगकसंग जन्मलेनिहार २ दिनक एकगोटे नवजात शिशुके विराटनगरमें सफल शल्यक्रिया भेल अछि ।
मलद्वारविहीन अवस्थामें जन्मल ओहि शिशुके विराटनगरस्थित म्याक्स अस्पतालके चिकित्सक टोली सफल शल्यक्रिया कएने अछि । उदयपुरके कटारीके ओहि शिशुके जन्मिते ‘एनोरेक्टल मालफर्मेशन’ समस्या छल । उदयपुरमें सामान्य अवस्थामें जन्म लेनिहार शिशुमें बादमें गम्भिर समस्या रहल पता लागल छल ।
शरिरक सब अंग सामान्य रहलोपर मलद्वार नैरहलाके कारण जन्मलाके किछु घण्टा पश्चात शिशुके पेट फुलैत गेल छल, परिवारजन जानकारी देने अछि । शिशुमें गम्भिर समस्या देखएलापर परिवारजन उपचारहेतु शिशुके मधेश प्रदेशके राजधानी जनकपुरधाम लक गेल छल ।
ओहिठामक चिकित्सकसब जनकपुरधाममें उपचार सम्भव नैरहल कहैत विराटनगर लजाएके सुझाव देनेछल । म्याक्स अस्पतालमें सेहो अहिरोगक शल्यक्रिया सम्भव रहल जानकारी भेटलापर नवजात शिशु लक विराटनगर अएलहुँ शिशुक नानी जालो दनुवार जानकारी देनेछथि ।
चिकित्सकसब ओहि नवजात शिशुके शल्यक्रिया कक तत्कालक लेल पेटके बामा कात अस्थाई मल निष्काशन प्रणाली बनादेने अछि । शिशुके ६ महिनाबाद दोसर आ ९ म महिनामें तेसरबेर आओर दूटा शल्यक्रिया कक प्राकृतिक अवस्थाके मलद्वार प्रणाली विकास कएलजाएत चिकित्सकसब जानकारी देने अछि ।
अखार ९ गते गम्भिर अवस्थामें अस्पताल आनलगेल शिशुके सैह राति अस्पतालक बरिष्ठ बालरोग बिशेषज्ञ डाक्टर फरेन्द्र शाहके नेतृत्वमें अस्पतालक पेडियाट्रिक सर्जरी टिमके बरिष्ठ सर्जन डाक्टर रामाशंकर यादवके टिम शल्यक्रिया कएने छल ।
शल्यक्रिया पश्चात शिशुके स्वास्थ्य अवस्थामें नीक सुधार भरहल आ आबबला एक दू दिनमें डिस्चार्ज कएलजाएत अस्पताल निर्देशक सेहो रहल डाक्टर फरेन्द्र शाह जानकारी देनेछथि । ‘एनोरेक्टल मालफर्मेशन’ नामक ई रोग हजारौं नवजात शिशु मध्य कोनो एकगोटेमें देखाईत आएल चिकित्सकसब बतौने अछि ।
अहिरोगक शल्यक्रियामें मृृत्यूदर सेहो अत्यधिक रहल चिकित्सक साह बतौनेछथि । प्रदेश एकमे अहिप्रकारक जटिल रोगके शल्यक्रिया सेवा म्याक्स अस्पतालमें मात्र उपलब्ध रहल अस्पताल दाबी कएने अछि ।