विराटनगर । अविरल बर्षात पश्चात विराटनगरके सिंघीया नदीके जलस्तर बढलापर एक सौ सँ बेसी परिवार विस्थापित भेल अछि ।

मंगलदिन भोरेसँ नदीके जलस्तर बढैतगेल छल तथा दुपहरके समयमें नदी कातके सुकुम्बासी परिवारके घरसबमें बाढिके पानी प्रवेश कएने छल । बाढी घरमें पैसके शुरु भेलापर ओसब अपन घरभितरके लत्ताकपडा आ समानसब लक सुरक्षित स्थानदिस स्थानान्तरण भेल अछि ।

सिंघीया नदीके बाढिके कारण विराटनगर महानगरपालिकाके तटियक्षेत्रके अधिकांश सुकुम्बासी टोलबस्ती डूबान भेल अछि । बाढिसँ प्रभावित विराटनगर १ के गंगाटोल आ विराटनगर २ के सुकुम्बासी टोलके घरपरिवारसब घर छोडिक बहराएल अछि ।

बाढिके कारण धियापुता आ ज्येष्ठ नागरीक सबसँ बेसी प्रभावित भेल अछि । विराटनगर १ के गंगा टोलसँ बिस्थापित भेल अधिकांश परिवार जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङ परिसर लगके चौरीमें त्रिपाल टाँगिक आश्रय लेने अछि ।

लगातार पानि परिरहलाके कारण ओकरासबके खाएपिएके समस्या भरहल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु