विराटनगर । स्वास्थ्य कार्यालय मोरङ बालवालिकासबके कोभिड १९ विरुद्धके ‘फाइजर बायोएनटेक’ खोप देबाक तैयारी कएने अछि ।

पाँच वर्षसँ उपर आ १२ वर्षसँ निच्चा उमर रहल बालवालिकासबके ‘फाइजर बायोएनटेक’ खोप देबके तैयारी भरहल अछि । उक्त खोप मोरङ जिल्लाभरिके १७ स्थानिय तहसबमें यैह अखार १२ सँ १७ गतेधरि देलजाएत स्वास्थ्य कार्यालय मोरङके खोप शाखा प्रमुख कन्हैया साह जानकारी देनेछथि ।

मोरङमें १ लाख ४५ हजार बालवालिकाके खोप देबके लक्ष्य राखलगेल अछि । ७ सौ स्वास्थ्यकर्मी आ १ हजार ६ सौ स्वयमसेवीसब १७ स्थानिय तहके खोपकेन्द्रमें जाक कोभिड १९ विरुद्धके खोप बालवालिकाके प्रदान करत । बालवालिकाके देलजाएबला इ खोप ९१ प्रतिशत प्रभावकारी रहल बताओलगेल अछि ।

जिल्लाके ७ सौ ९६ खोप केन्द्रसबसँ बालवालिकासबके खोप देबाक कार्यक्रम रहल अछि । स्थानिय तहमें रहल विद्यालय, स्वास्थ्य संस्थासबमें खोप देबके तैयारी कएलगेल अछि । पाँच वर्षसँ उपरके बालवालिकासबके विद्यालयमें जाक खोप देबाक राष्ट्रिय नीति अनुसार विद्यालयमें खोप केन्द्र राखिक खोप देबके तैयारी कएलगेल अछि ।

मोरङमें १२ वर्षसँ उपर उमर रहल ९० प्रतिशत नागरिक खोप लगाचुकल स्वास्थ्य कार्यालय मोरङ जानकारी देने अछि । एखनिधरि मोरङमें ६ लाख ६७ हजार २ ब्यक्ती खोप लगाचुकल स्वास्थ्य कार्यालय मोरङके तथ्यांक अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु