विराटनगर । दू बर्षधरि जमिनके मुआब्जा नैभेटलापर विराटनगर विमानस्थल पीडित संघर्ष समिति आन्दोलन शुरु कएने अछि । ओसब जमिन फिर्ता वा मुआब्जाके माग सहित आन्दोलन शुरु कएने अछि ।

समिति, आन्दोलनके पहिल कार्यक्रमस्वरुप विराटनगर विमानस्थल जाएबला मुख्य सडकपर मंगलदिन धर्ना देने अछि । समितिके अगुवाईमें जमाभेल दर्जनौं पीडितसब ओहिठाम दुपहर ११ बजेसँ १ बजेधरि २ घण्टा धरि धर्ना देनेछल ।

अहिसँ पहिने संघर्ष समिति जिल्ला प्रशासन कार्यालय आ प्रदेश एकके मुख्यमन्त्रीके विमानस्थल पीडितके मुआब्जा अथवा रोक्का कएलगेल जमिन फिर्ताके मागसहित ७ दिनक अल्टिमेटम देनेछल । अल्टिमेटके अवधि अखार ६ गते समाप्त भेलोपर कोनो सुनवाई नैभेल कहैत संघर्ष समिति पहिल चरणके आन्दोलन शुरु कएने अछि ।

क्षेत्रीयस्तरके विमानस्थल बनाएलजाएत कहैत सरकार एयरपोर्ट अगलबगलके १२६.४६ बिग्घा जमिन दू बर्षसँ रोकिक रखने अछि । १४ सौ ब्यक्तीके नामपर रहल जमिन रोक्का कक राखलगेल अछि । रोक्का कक राखलगेल जमिनपर ३५० घरपरिवार घर बनाक रहैत आएल अछि ।

जमिन रोक्का कएलाके कारण बैकिंग कारोबार नैभसकल तथा मुआब्जा सेहो नै भेटलाके कारण सर्वसाधारणके जनजीवन प्रभावित भेलाके कारण बाध्य भक आन्दोलन करएपरल संघर्ष समितिके संयोजक वेदराज पौडेल बतएनेछथि ।

पहिलो चरणके ७ दिनक कार्यक्रम अन्तर्गत आगामी ९ गतेधरि तिनदिन चेम्बर गेटपर ,अखार १० गते जिल्ला प्रशासन कार्यालय आगु जग्गाप्राप्ति ऐन जराबएके आ अखार ११ गते पर्यटन तथा नागरिक उड्ययन मन्त्री प्रेम आलेके पुत्ला दहन लगायतक कार्यक्रम घोषणा कएलगेल अछि ।

एतबो कएलापर सुनवाई नैभलोपर थप कडा संघर्षके कार्यक्रम घोषणा कएलजाएत संघर्ष समिति जानकारी देने अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु