विराटनगर । जनमत पार्टीके अध्यक्ष डाक्टर सिके राउत पुरना पार्टीसब जनहितके काज करएके उद्धेश्यसहित गठन नैभेल बतएनेछथि ।
पार्टीके मोरङ जिल्ला कार्यालयद्वारा रबिदिन विराटनगरमें आयोजन कएलगेल पार्टी प्रवेश कार्यक्रममें बजैत ओ एहन बतौने छलथि । ओहि अवसरमें बजैत डाक्टर राउत नेपाली काँग्रेस नेपालमें राणा शासन अन्त करवाक उद्धेश्यसहित विदेशीसबद्वारा गठन कदेलगेल पार्टी रहल बतौनेछलथि ।
काँग्रेस जनहितके काजक उद्धेश्यसहित गठन नै भेल हुनकर कहब छल । अपन उद्धेश्य अनुरुप काँग्रेस रणा शासनके अन्त करकएमें सफल भेलोपर ताहि एम्हर जनहितके काज नैकएलक हुनकर दाबी छल । काँग्रेसे जँका कम्युनिष्ट पार्टी पंचायती ब्यवस्था अन्तके उद्धेश्यसहित गठन भेल तथा माओबादी राजा हटाक गणतन्त्र लाबएके उद्धेश्य सहित गठन भेल हुनक कहब छल ।
उक्त तिनु पार्टीसब अपन उद्धेश्य अनुरुपके लक्ष्य प्राप्ति कएलोपर जनताके जीवनस्तर उठाबएके काज नैकसकल हुनक दाबी छल । पुरना पार्टीसब म्याद समाप्त भेल दबाई जेहन रहलासँ वर्तमान अवस्थामें अहि पार्टीसबके काज नैरहल हुनक कहब छल ।
डाक्टर राउत, जनताके जिवनस्तर बृद्धिके उद्धेश्य नैरहलासँ पुरना पार्टीसब बिकृति आ बिसंगतिसबके संरक्षण करैत आएल सेहो आरोप लगौने छलथि । बर्षमें ४० अर्बके चाउर आयातके स्वीकृति दरहल सरकार किसानके समयपर खाधमल उलब्ध नै करारहल अवस्थासँ पार्टी तथा दलसबहक नियत स्पष्ट भरहल बतौलनि ।
ताहिके परिणितिस्वरुप जनताद्वारा किछुदिन पहिने २ ट्रक खाध लुटके घटना भेल राउतके कहब छल । अध्यक्ष डाक्टर राउत बितल स्थानीय निर्वाचनमें पहिलबेर अपन पार्टी सहभागि भेलोपर उत्साहजनक मत हासिल करएमें सफल भेल बतौनेछलथि ।
अपन पार्टीके प्राप्त मत एखनि बिहनकेरुपमें रहल कहैत सामुदायिक समाजबाद लाबके अपन पार्टीके उद्धेश्य सफल भइएक रहत बतौने छलथि ।
कार्यक्रमकबीच विभिन्न पार्टी परित्याग कक आएल नेता कार्यकर्ताके डाक्टर राउत पार्टीमें प्रवेश करएने छलथि ।