ईटहरी । विश्वप्रसिद्ध कम्पनीके डेकोरेटिभ लाईट आ ईन्टरियर डिजाईन सम्बन्धि सेवा उपलब्ध कराबएके उद्धेश्यसहित ईटहरीमे भिस्टा ईलेक्ट्रिक एण्ड होम डेकोर संचालनमें आएल अछि ।

विराटनगरके ब्यवसायी हसन्नै आलम,सन्नी आ जिसान आलमद्वारा संचालनमें आनलगेल ओहि शोरुमके बुधदिन प्रदेश एकके पुर्व मुख्यमन्त्री भिम आचार्य उद्घाटन कएलनि । ईटहरी पश्चिम लाईनमें संचालनमें आएल भिस्टा भारत तथा चिनमें निर्मित डेकोरेटिभ लाईट, झुमर, होल्डिङ लाईट, वाल तथा स्पौट लाईटसब उपलब्ध करबैत आएल अछि ।

तहिना इन्टिरियर सम्बन्धि थ्रिडि डिजाईन बनाबएके साथे आवश्यक सामाग्रिसब सेहो उपलब्ध करबैत आएल भिस्टा ईलेक्ट्रिक एण्ड होम डेकोरके संचालक जिसान आलम बतौनेछथि । ब्यवसायी आलम परिवार विराटनगर महानगरपालिकाके धरानरोड आ शनिमन्दिर रोडमें सेहो भिस्टाके नामसँ विभिन्न दूटा शोरुमसब अहिसँ पहिनहिसँ संचालन करैत आएल अछि ।

भिस्टा शोरुमसबमें हुन्डाई ब्राण्डके एयर कन्डिसन,एमआई ब्राण्डके टेलिभिजन सहित प्रतिष्ठित विभिन्न ब्राण्डेड कम्पनीके स्वीच आ विद्युतिय सामाग्रिसब सेहो उपलब्ध रहल दोसर संचालक सन्नी आलम बतौनेछथि । डेकोरेटिभ लाईट सहित अधिकांश सामाग्रिसब अपनेसब सिधे आयात करहलासँ उपभोक्ताके तुलनात्मक रुपमें बजारसँ सस्ता मुल्यमें विक्री वितरण करहल आलम बतौनछथि ।

ईटहरीमें लगभग डेढ करोडके लगानीमें शोरुम संचालनमें आएल बताएलगेल अछि । डेकोरेटिभ लाईटसब आधुनिक भवनके कक्ष साथे होटल, कार्यालय आ सभाहलसबमें साजसज्जा तथा प्रकाशहेतु जडान कएलजाईत अछि ।

शोरुम उद्घाटनके अवसरमें भिस्टाद्वारा असार १ सँ ८ गतेधरि १५ प्रतिसत छुट देबाक घोषणा सेहो कएने अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु