विराटनगर । मनसुनके समयमें बाढि तथा डुबानके कारण सम्भवित जोखिमके न्यूनीकरणहेतु विराटनगरमें एकदिनक सिमुलेशन अभ्यास कएलगेल अछि ।
विराटनगरके पूर्वी सिमान भक बहएबला सिंघिया नदीमें शनिदिन भोर विपद् ब्यवस्थापन सम्बन्धि अभ्यास कएलगेल अछि । अभ्यासके क्रममें किछु लोक आ पशु नदीके बाढिमें दहाएलागल अवस्था सृजना कक उद्धार कएलगेल छल ।
बाढि तथा डूबानके समयमें उद्धारके क्रममें आवश्यक रहल विज्ञ सुरक्षाकर्मीके टोली, एम्बुलेन्स, चिकित्सक आ नगर रक्षकसबके सहभागि कराक अभ्यास कएलगेल अछि । सम्बन्धित निकायके सहभागिसब शनिदिन भोरे समुह बनाक सिंघीया कात पहुँचल छल ।
ओसब नदीके दुनू मोहारपर क्याम्प सेहो लगौने छल । अभ्याससँ पहिने प्रदेश एकके आन्तरिक मामिला तथा कानुन मन्त्री केदार कार्की सेहो सृजित घटनास्थल पहुँचल छलथि । ओहि क्रममें मन्त्री कार्कीके उद्धारके क्रममें प्रयोग कएलजाएबला उपकरण आ आवश्यक सामग्रीसबके बिषयमें जानकारी कराएलगेल छल ।
कार्यक्रमके औपचारिक सत्र समाप्त होइते नदी कातमें आपतकालिन साइरन बजाएलगेल छल । ओहिसँ पहिनहि अभ्यासमें सहभागी किछु सुरक्षाकर्मी सर्वसाधारणके भूमिकामें नदीमें प्रवेश कक डूब लागल नाटक करैत बचाउबचाउ कहैत चिचिआए लागल छल ।
तत्काले नेपाली सेना आ सशस्त्र प्रहरीके टोली बोटसहित नदीमें प्रवेश कएलक आ डूबलागल लोकसबके उद्धार कएलक । डूब लागल लोकसबके नदीसँ निकाललाबाद ओकरासबके सुरक्षाकर्मी आ नगर रक्षकसब स्ट्रेचरपर राखिक नदी मोहारपर बजाएलगेल एम्बुलेन्सपर चढाक अस्पतालदिस पठएने छल ।
जिल्ला प्रशासन कार्यालय मोरङके संयोजकत्वमें नेपाली सेनाके श्री भैरव गण, नेपाल प्रहरी आ सशस्त्र प्रहरी बल नेपालके सहभागितामें विपद् ब्यवस्थापन अभ्यास कएलगेल अछि । अभ्यासमे नेपाल रेडक्रस सोसाईटी आ कोशी अस्पतालके चिकित्सक, विराटनगर महानगरपालिकाके नगर रक्षकसब सेहो सहभागी भेल छल ।
अहिप्रकारक अभ्याससँ वास्तविक विपद् अएलापर जोखिम न्यूनिकरणहेतु दक्षता हासिल होएत श्री भैरव गणके प्रमुख सेनानी अमृत थापा मगर बतौनेछथि ।
अभ्यास देखएलेल नदी मोहारपर सर्वसाधारणके भीड लागल छल ।