जहदा । पूर्व राष्ट्रपति डाक्टर रामवरण यादव प्राविधिक शिक्षा आजुक आवश्यकता रहल बतौनेछथि ।
मोरङके जहदा गाउँपालिका–४ में रहल शैलजा आचार्य स्मृति पोलिटेक्निकके अनुगमन निरिक्षण पश्चात शनिदिन आयोजित कार्यक्रमें बजैत ओ प्राविधिक शिक्षाके माध्यमसँ व्यवसायिक जनशक्ति उत्पादन भरहलासँ अहि शिक्षामें सबहक पहुँच आवश्यक रहल बतौलनि ।
शिक्षामें सबहक पहुँचहेतु ग्रामिणक्षेत्रके गरिब तथा विपन्न समुदायके लक्षित कक सरकारके योजना वनएबाचाहि बतौलनि । शैलजा आचार्यके नामपर स्थापना भेलासँ प्राविधिक शिक्षालयके विकासहेतु संघ, प्रदेस, स्थानिय सहित तिनूतहके सरकारके ध्यान देब बिषयमें ओ जोड देने छलथि ।
समुदाय शिक्षित भेलापर मात्र समाज परिवर्तन होएत कहैत ओ न्युन शुल्कपर सबहकहेतु शिक्षाके व्यवस्था कएलजेवाकचाहि बतौलनि । प्राविधिक शिक्षा हासिल केनिहार विद्यार्थीसबके अपन ज्ञान आ विज्ञताके राष्ट्रके हितमें उचित प्रयोग करवाकचाहि ओ बतौनेछलथि ।
जातिय समाजसँ उपर उठिक देश आ समाजके विकासहेतु जुटएहेतु सेहो ओ आग्रह कएनेछलथि । सिटिभिटी तथा कृष्णप्रसाद कोइराला सेवा गुठीके साझेदारीमें उक्त पोलिटेक्निक संचालनमें आएल अछि ।
३ विग्घा क्षेत्रफलमे फैलल अहि पोलिटेक्निकमें एखनि ५ सौ सँ बेसी विद्यार्थी अध्यनरत रहल पोलिटेक्निक प्रमुख सन्तवहादुर अधिकारी जानकारी देनेछथि ।