विराटनगर । नेपालक लेल बंगलादेशके राजदुत सलाहुद्धीन नोमन चौधरी आ नेपाल उद्योग परिसंघ (सिएनआई) आबद्ध उद्योगिसबबीच द्विपक्षिय औद्योगिक–ब्यापारिक सम्बन्धक बिषयमें विराटनगरमें छलफल भेल अछि ।

सिएनआईके बरगाछिस्थित सचिवालयमे बृहस्पतिदिन अपरान्ह उद्योगि आ बंगलादेशक राजदुतबीच छलफल भेल अछि । ओहि अवसरमें बजैत नेपाल उद्योग परिसंघके उपाध्यक्ष कृष्णकुमार अग्रवाल नेपाल आ बंगलादेशबीचके ब्यापारिक सम्बन्धके आओर उँचाई प्रदान करवाक आवश्यकता रहल बतौलनि ।

ओ नेपाल बंगलादेशबीचके ब्यापारके आओर तिब्रताहेतु ढाकाबाट काठमाण्डौधरि बस सेवा सुचारु करएके साथे सिलिगुडी–ढाका रेल संचालनहेतु पहल करएलेल राजदुत चौधरीके आग्रह कएलनि । आयोजक संस्थाके सुनसरी अध्यक्ष बिनोदकुमार अग्रवाल ब्यवसायिक तथा सांस्कृतिकरुपसँ दुनू देशके जोड्एबला कार्यक्रमसबके प्राथमिकता देवाक आग्रह कएलनि ।

आयोजक संस्थाके अध्यक्ष भिम घिमिरे नेपाल आ वंगलादेशबीचके ब्यवसायिक सम्बन्ध दिनानुदिन अग्रगतिमें रहल बतबैत राजदुत चौधरीके भ्रमणसँ लगानीके थप अवसरसब सृजना होएत विश्वास ब्यक्त कएलनि । प्रत्यूत्तरमें बजैत बंगलादेशक राजदुत चौधरी नेपाल आ बंगलादेशबीचके आयात तथा निर्यातमें रहल असमानता कम करएहेतु पहल कएलजाएत बतौलनि ।

ताहिलेल जल्दिए काठमाण्डूमें द्विपक्षिय छलफल होमएलालग ओ बतौलनि । राजदुत चौधरी बंगलादेश नेपालसँ विद्युत आयातके ईच्छुक रहल बतबैत ओहिलेल सेहो गृहकार्य भरहल बतौलनि । ओ नेपाल आ बंगलादेशबीच विवादरहित सम्बन्ध रहल सेहो बतौने छलथि ।

ओहि अवसरमें बजैत मोरङ ब्यापार संघक अध्यक्ष नवीन रिजाल,परिसंघके महानिर्देशक विजयहरि शर्मासहित आन पदाधिकारी नेपाल बंगलादेशबीचके ब्यापारिक सम्बन्धके थप उचाईमें लजाएमें राजदुत चौधरीके सदप्रयास रहत बातक विश्वास ब्यक्त कएने छलथि ।

सम्बन्धित खबरहरु