विराटनगर । विराटनगर महानगरके कार्यपालिका सदस्य चयनहेतु भेल निर्वाचनमें नेकपा एमाले आ स्वतन्त्र उम्मेदवारके गठबन्धन विजयी भेल अछि ।
बैशाख ३० के निर्वाचनसँ सत्ता गठबन्धनमें रहल दलसँ निर्वाचित जनप्रतिनिधिके बहुमत रहलोपर शनिदिन भेल कार्यपालिकाके निर्वाचनमें एमालेके ५ महिला सदस्य आ एकगोटे दलित–अल्पसंख्यक प्रतिनिधि निर्वाचित भेल अछि । महानगर कार्यपालिका चुनावमें ५० मत रहल कांग्रेस–जसपा गठबन्धनके हरबैत ४६ मत रहल नेकपा एमाले आ स्वतन्त्र उम्मेदवार निर्वाचित भेल अछि ।
महानगरमें एमाले उपमेयरसहित ४३ आ कांग्रेस मेयरसहित ४० जनप्रतिनिधि जितने छल । तहिना जसपा १०, स्वतन्त्र ३ आ राप्रपाके १ गोटे निर्वाचित भेल छल । कार्यपालिका निर्वाचनमें कांग्रेस जसपा गठबन्धनसँग ५० मत आ एमाले स्वतन्त्र गठबन्धनसँग ४६ मत रहल छल ।
कार्यपालिका सदस्यके निर्वाचन परिणाम अनुसार अल्पसंख्यकदिस एमालेके दीपककुमार कर्ण ५३, स्वतन्त्र ओमप्रकाशकुमार साह ५५ आ सञ्जीव साह ५२ मत आनिक विजयी भेलथि । महिला सदस्य पाँचो गोटे एमालेके उम्मेदवार निर्वाचित भेल ।
एमालेके सुन्तलीदेवी विश्वास ५५, कमला श्रेष्ठ ५४, ताराकुमारी राय ५३, सरिता घिमिरे नेपाल ५३ आ खुश्बु विश्वकर्मा ५२ मतसहित विजयी भेलथि । जसपा छोडिक मेयरमें स्वतन्त्र उममेदवार भेल उमेश यादवके स्वतन्त्र टिम कार्यपालिका निर्वाचनमें एमालेसँग गठबन्धन कएने छल ।
जितसँगे महानगरके कार्यपालिकामें एमालेके बहुमत पहुँचल अछि । २९ सदस्यीय कार्यपालिकामें उपमेयर आ ९ गोटे वडाध्यक्षसहित एमालेके सदस्य संख्या १६ पहुँचल अछि ।