विराटनगर । बिराटनगर महानगरपालिका–४ सँ राजश्व छली कक अबैध रुपमें बिराटनगरसँ ईटहरी लजारहल अवस्थामें ४० लाख बराबरके समान सहित १ गोटेके जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङ पक्राउ कएने अछि ।
पकरलगेल ब्यक्ती भारतीय नागरिक जोगवनी टिकुलियाके ३४ बर्षिय श्याम चौधरी रहल अछि । चौधरी बिआर ३३ जिबि २६२७ नम्बरके भारतीय ट्याक्टरपर मोटर पार्टस, चाम, नटबल्टु, मसिनरी पार्टस पुर्जा आ कपडा लगायत ४० लाख रुपैया बराबरके समान अवैध रुपमें राजस्व छलिक इटहरीदिस लजारहल अवस्थामें प्रहरी बुधदिन साँझ पक्राउ कएलक बताओगेल अछि ।
अबैध समान सहित पकरलगेल चौधरीके समान आ ट्याक्टर सहित आवश्यक कारवाहीकलेल बिराटनगर भन्सार कार्यालयमें जमा कराएलेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङ जानकारी देने अछि ।