विराटनगर । विराटनगरके उद्योगि ब्यवसायी नवनिर्वाचित महानगरपालिकाके पदाधिकारी समक्ष विराटनगरके शाख घुमाबके हिसाबसँ काज करएहेतु सुझाव देने अछि ।
विराट ब्यापार संघद्वारा आयोजना कएलगेल स्वागत तथा सम्मान कार्यक्रममें बजनिहार वक्तासब एहन सुझाव देने अछि । आयोजक संस्थाके पुर्वअध्यक्ष यादव पोखरेल नवनिर्वाचित जनप्रतिनिधिसबके महानगरके विकासहेतु एकमत भक काज करएहेतु आग्रह कएलनि ।
दृढ संकल्पित भक एकमतसँ काज कएलापर मात्र महानगरके चौतर्फी विकास सम्भव होएत ओ बतौलनि । दोसर पुर्वअध्यक्ष शिवप्रसाद रिजाल महानगरमें ट्राफिक समस्या दिनानुदिन बढैत गेल तथा घुम लायकके एक्कोटा पार्क नैरहलासँ अहिदिस सेहो महानगर नेतृत्वके ध्यान जेबाकचाहि बतौलनि ।
आयोजक संस्थाके अध्यक्ष नरेशकुमार खत्री भारतसंग खुला सिमाना रहलाके कारण महानगरक्षेत्रके उद्योगि ब्यवसायी घाटा सहैत आएल बतौलनि । महानगरद्वारा संकलन कएलजारहल अवैज्ञानिक घरभाडा लगायत करके कारण सेहो ब्यवसायि निरुत्साहित भरहल हुनकर कहब छल ।
अध्यक्ष खत्री किछुबर्ष पहिनेतक विराटनगर देशके दोसर स्थानपर रहल शहरकेरुपमें चिन्हाईत अएलोपर एम्हरके तथ्यांकसबमें छैठम स्थानमें पहुँचल कहैत महानगरके पुरना शाख घुमाबके हिसाबसँ काज करएलेल नवनिर्वाचित जनप्रतिनिधिसबके आग्रह कएलनि ।
अध्यक्ष खत्री विराट ब्यापार संघ विराटनगरमें जन्मल संस्था रहल तथा एकर केन्द्रीय कार्यालय सेहो विराटनगरमें रहलोपर एखनोधरि जमिनक अभावमें अपन भवन निर्माण नैकसकलासँ आवश्यक जमिन उपलब्ध कराबलेल सेहो महानगर नेतृत्वसंग माग कएलनि ।
ओहि अवसरमें बजैत उपप्रमुख शिल्पा निराला कार्की अपनेसब विराटनगरके समस्यासंग जानकार रहल बतबैत जनताके अभिमतके ध्यानमें राखिक एकजुट भक काम करबाक प्रतिबद्धता ब्यक्त कएलनि । महानगर प्रमुख नागेश कोईराला निर्वाचनसँ पहिने अपन घोषणा अनुसार करके दायरा बढाक कर घटाबहेतु गृहकार्य करहल बतौलनि ।
कार्यक्रमकबीच महानगरपालिकाके नवनिर्वाचित प्रमुख,उपप्रमुख सहित १९ वडाके वडाध्यक्ष तथा वडासदस्यसबके सम्मान करएकेसाथे सफल कार्यकालके कामना कएलगेल विराट ब्यापार संघके महासचिव प्रवीण अग्रवाल जानकारी देनेछथि ।