कटहरी । कटहरी गाउँपालिका वडानम्बर १ महेशपुरमे आई भोर एकगोटे ब्यक्ती शंकास्पद अवस्थामें मृत भेटल अछि ।

मृत भेटल ब्यक्ती कटहरी २ आर्दशनगरके ५० बर्षिय तुलसी श्रेष्ठ रहल प्रहरी जानकारी देने अछि । कटहरी १ में रहल ग्राम देवतास्थलसँ लगभग अढाई सौ मिटर उत्तरदिसके चौरीमें हुनक शव भेटल अछि ।

ओहिठाम रहल उत्तरदक्षिण ग्राभेल सडकके पुरुब चौरीमें श्रेष्ठके शव भेटल अछि । मृतक श्रेष्ठके माथमें कोनो बस्तुसँ प्रहार कएलासँ गम्भीर चोट लागल देखाएल कटहरी १ के वडाध्यक्ष हरि राजवंशी जानकारी देनेछथि ।

घटनास्थलमें पहुँचल जिल्ला प्रहरीके टोलीले शवके मुचुल्का कक घटनाके अनुसन्धान करहल अछि । घटनास्थलमें प्रहरीके तालिमप्राप्त कुकुर सेहो आनलगेल छल ।

घटनाके जानकारी भेलापर जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङके एसपी शान्तिराज कोईराला,डिएसपी राजन कार्की कटहरी गाउँपालिकाके अध्यक्ष देवराज चौधरी,उपाध्यक्ष सिता राजवंशी सेहो घटनास्थल पहुँचल छलथि ।

सम्बन्धित खबरहरु