जहदा । जहदा गाउँपालिकाके नवनिर्वाचित अध्यक्ष जितेन्द्रप्रसाद साह पदभार ग्रहण कएनेछथि ।
नवनिर्वाचित अध्यक्ष साह बुधदिन ११ बजे पदभार ग्रहण कएनेछथि । पदभार ग्रहण करैत अध्यक्ष साह ७ बुँदाके उल्लेख रहल अपन पहिल निर्णयपर हस्ताक्षर कएनेछथि । अध्यक्ष साह बेटीके जन्म देबएबला विपन्न तथा दलित महिलाके प्रसुती स्याहार खर्च वापत ५ हजार रुपैयाँ प्रोत्साहन रकम उपलब्ध कराबके निर्णय कएने छथि ।
तहिना भौतिक पूर्वाधार तथा सरसफाई नीक रहल विद्यालयके वार्षिक ५ लाख रुपैयाँ पूर्वाधार निर्माण वापत उपलब्ध कराबके तथा प्रत्येक स्वास्थ्य चौकीमें महिनामें न्युनतम १ बेर भिजिटिङ्ग डक्टरके माध्यमसँ स्वास्थ्य सेवा उपलब्ध कराबके निर्णय कएनेछथि ।
तहिना मुख्य चौक बजारमें सड़क बिजली जडान, हाटबजारके सडक क्षेत्रसँ बाहर व्यवस्थापन संचालन, महिला स्वयम सेविका अवकास भेलापर सुनौलो हातेमालो शिर्षकमें ५० हजार रुपैयाँ उपलब्ध कराबएके तथा गरिब पहिचान भेल विपन्न तथा दलित परिवारके निःशुल्क स्वास्थ्य विमा कराबके निर्णय कएनेछथि ।
साहके पदस्थापन कार्यक्रममें विभिन्न राजनीतिकर्मी, सुरक्षाकर्मी, शिक्षक, कर्मचारी, संघ संस्थाके प्रतिनिधि तथा विद्यार्थीसब सहभागि भेल छल । बैशाख ३० में सम्पन्न स्थानीयत तह निर्वाचनमें नेपाली काँग्रेससँ उम्मेदवार भेल साह ६५०१ मत आनिक निर्वाचित भेलछथि ।
हुनकर निकटतम प्रतिस्पर्धी जनता समाजबादी पार्टीके कैलाश प्रसाद मण्डल ४०४८ हासिल कएने छलथि ।