विराटनगर महानगरपालिकामें पाँच दलीय गठबन्धनके उम्मेदवार नेपाली काँग्रेसके नागेश कोइराला मेयर आ एमालेके शिल्पा निराला कार्की उपमेयरमें निर्वाचित भेलछथि ।
अन्तिम मतपरिणाम अनुसार मेयरमें नागेश ८७१५ मतके अग्रतासहित विजयी भेलछथि तहिना उपमेयरमें कार्की ११४६१ मतान्तरसँ विजयी भेलछथि । कोइराला ३०१७० मत तथा कार्की २५८६० हासिल कएनेछथि ।
मेयरमें कोइरालाके निकटतम प्रतिस्पर्धी एमालेके सागरकुमार थापा २१४५५ मत हासिल कएलनि । तहिना स्वतन्त्र उम्मेदवार उमेशकुमार यादव ८७९५ मत सहित तेसर स्थानमें आ राप्रपाके प्रह्लाद साह ५२१६ मतसहित चारिम स्थानपर रहलथि ।
उपमेयर पदरपर कार्कीके निकटतम प्रतिस्पर्धी जसपाके अमरेन्द्र यादव १४२१९ मत हासिल कएने छथि । तहिना राप्रप्राके विन्दा लुईटेल आचार्य ६४०१ मत हासिल कएलनि ।
माओवादी केन्द्रसँ विद्रोह कक स्वतन्त्रमें उम्मेदवारी देनिहार नमिता न्यौपाने ५११७ मत हासिल कएने छथि ।