विराटनगर । विराटनगर १७ के वडाध्यक्ष पदपर जनता समाजबादी पार्टी नेपालक समिम कमर प्यानल सहित निर्वाचित भेलछथि ।

समिम १४५० मत सहित निर्वाचित भेलछथि । हुनक निकटतम प्रतिस्पर्धी नेपाली काँग्रेसके असलम आलम ९४४ मत हासिल कएलनि । समिम ५०६ मतके मतान्तर सहित विजयी भेलछथि ।

अहिसँ पहिने २०७४ के निर्वाचनमें सेहो विजयी भक एक कार्यकाल विराटनगर १७ के वडाध्यक्ष भचुकल समिम दोेसर कार्यकालहेतु पुनः निर्वाचित भेलछथि ।

हुनकासंगे जसपाके सदस्य प्यानलमें जाकिर आलम,मंजर आलम,महिला सदस्य चुलियादेवी साह आ दलित महिला सदस्यमें बसन्तीदेवी पासवान निर्वाचित भेलछथि ।

विराटनगर १७ सँ वडाध्यक्ष पदके आन उम्मेदवारमध्य नेकपा एमालेके हमिद आजाद ६०२,माओबादी केन्द्रके जाबेद आलम ४१२,राप्रपाके बिजय ठाकुर १०८,एकिकृत समाजबादी के तबरेज आलम ७२,विवेकशील साझा पार्टीके अवधेशकुमार कर्ण ६,नागरिक उन्मुक्ति पार्टीके सितादेवी राई ६ मत हासिल कएलनि ।

सम्बन्धित खबरहरु