कटहरी । कटहरी गाउँपालिका वडानम्बर १ के वडाध्यक्ष पदपर नेकपा एमालेके हरिनारायण राजवंशी बिजयी भेलछथि ।

राजवंशी ८ सय ६२ मत हासिल करैत वडाध्यक्षमें निर्वाचित भेलछथि । हुनकर निकटतम प्रतिस्पर्धी नेपाली काँग्रेसके विश्वनाथ माझी ८ सौ १० मत हासिल कएने छथि । राजवंशीसंगे सदस्य पदके चारिटा उम्मेदवार नेपाली काँग्रेससँ बिजयी भेल अछि ।

सदस्यसबमें नेपाली काँग्रेससँ महाबती देवी माझी,सन्तोष राजवंंशी,संझा देवी पासवान आ गंगा राय अमात निर्वाचित भेल कटहरीके निर्वाचन अधिकृत होमनाथ भट्टराई जानकारी देनेछथि । कटहरी १ में ३ हजार ४ सौ ६८ मतदाता अछि । जाहिमें २ हजार ७ सौ ५५ मत खसल छल ।

कटहरी १ के कुल मत गन्लापर नेपाली काँग्रेससँ मेयरके उम्मेदवार देवराज चौधरी १ हजार २ सौ २४,एमालेके सुभाषुकुमार सरदार ५ सौ ६८ आ माओबादीके किशोर पाण्डे २ सौ ९० मत हासिल कएलनि बताओलगेल अछि । आन वार्डसबके मतगणना जारी रहल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु