विराटनगर । स्थानीय तहके विभिन्न पदपर जनप्रतिनिधि निर्वाचित करएके उद्धेश्यसहित आई (शुक्रदिन) भोरसँ देशभरि मतदान भरहल अछि ।
भोरे ७ बजेसँ शुरु भेल मतदानमें सर्वसाधारण उत्साहपुर्वक सहभागिता जनारहल अछि । अजुका मतदान देशभरिके ३५ हजारसँ बेसी जनप्रतिनिधि सबहक भाग्यक फैसला करत ।
प्रदेश राजधानी विराटनगरमें सेहो सौहाद्रपुर्ण वातावरणमें मतदान भरहल अछि । विराटनगर केन्द्रीय राजनीतिके शिर्ष नेतागणके गृह शहर रहलासँ सेहो अहिठाम केन्द्रीय नेतासब सेहो मतदान कएने छथि ।
जनता समाजबादी पार्टीके अध्यक्ष उपेन्द्र यादव आ नेपाली काँग्रेसके नेता डाक्टर शेखर कोइराला सहितके आन बहुतो केन्द्रीय नेतासब सेहो विराटनगर आबिक मतदान कएने छथि ।
विराटनगर राजधानी रहल प्रदेश एकमें एकटा महानगर, दूटा उपमहानगर,छियालीसटा नगरपालिका आ ८८ गाउँपालिका अछि । अहि प्रदेशमें कुल १३७ स्थानीय तह आ तहिमें ११५७ टा वार्ड अछि ।
प्रदेश एकमें ३३ लाख ४७ हजार ३८४ गोटे मतदाता रहल अछि । तहिना प्रदेश राजधानी विराटनगरमें १ लाख ३३ हजार १४२ मतदाता अछि ।