विराटनगर । सिटि सफारी चोरीमें संलग्न तीनगोटेके प्रहरी विराटनगरसँ पक्राउ कएने अछि ।
पकरलगेल ब्यक्तीसबमें बिराटनगर–८ के २२ बर्षिय मोहमद जुमन, बिराटनगर–११ के ३४ बर्षिय मोहमद अन्सारुल आ बिराटनगर–१२ के २२ बर्षिय पवन रविदास रहल अछि ।
चोरी कक ५ टा ब्याट्री लजारहल अवस्थामें प्रहरी विराटनगर–६ सँ ओकरासबके रंगेहाथ पक्राउ कएने अछि । को २ ह ३६१० नम्बरके टेम्पुमें ब्याट्री लजारहल अवस्थामें शुक्रदिन प्रहरी ओकरासबके नियन्त्रणमें लेने छल ।
छानबीन करैत गेलापर ओसब वि.न. १ ह ००९३ नम्वर आ को. १ ह ७८१८ नम्बरके दुटा सिटी सफारी सेहो चोरी कएल बात खुजलापर उक्त दुनू सिटि सफारी सेहो प्रहरी बरामद कएने अछि ।
ओकरासबहक बिषयमें थप अनुसन्धान जारी रहल प्रहरी जानकारी देने अछि ।