कटहरी । बैशाख ३० मे होबजारहल स्थानीयतह निर्वाचनहेतु उम्मेदवारीके चरण पुरा होइते राजनीतिक सरगर्मीके पारा चढल अछि ।

विभिन्न राजनीतिक दलके उम्मेदवारक साथे स्वतन्त्र उम्मेदवारी देनिहारसब एखनि मतदाताके अपन पक्षमें आनएहेतु कसरत करहल अछि । अहिक्रममें मोरङके कटहरी गाउँपालिकामें रोमांचक चुनावी संग्राम होबएजारहल अछि ।

अहि गाउँपालिकामें राजनीतिकरुपसँ परिचित आ स्थापित नेतासब उम्मेदवारी देने अछि । कटहरी गाउँपालिकामें नेपाली काँग्रेससँ देवराज चौधरी प्रमुखमें, मञ्जिता सरदार उपप्रमुख,नेकपा एमालेसँ सुभाषकुमार सरदार प्रमुख, सितादेवी राजवंशी उपप्रमुखमें उम्मेदवारी देनेछथि ।

तहिना जनता समाजबादी पार्टीसँ मृत्यूञ्जय झा प्रमुख, सबितादेवी दास उप्रमुख । नेकपा माओबादी केन्द्रसँ किशोर पाण्डे प्रमुख आ पुजनदेवी सरदार उपप्रमुखके उम्मेदवारी देनेछथि । तहिना लोसपासँ बिनोद मण्डलके उम्मेदवारी परल अछि ।

उम्मेदवारसब बिकास निर्माण शिक्षा, स्वास्थ्य,कृषि आ सुकुम्बासी समस्याके प्रमुख मुद्धाकेरुपमें उठएने अछि । २०७४ के नतिजा अनुसार कटहरीमें नेपाली काँग्रेससँ रामकुमार कामत प्रमुख आ मञ्जिता सरदार उपप्रमुख पदरपर बिजय हासिल कएने छलथि ।

ओहि समयके नतिजा अनुसार नेपाली काँग्रेसके कामत ४५०६ मत सहित बिजय हासिल कएने छलथि । तहिना नेकपा एमालेके मुक्ती राजवंशी ३७८१,तत्कालिन लोकतान्त्रिक फोरमके देवराज चौधरी २८८४ आ तत्कालिन संघीय समाजबादी फोरमके श्याम मण्डल २३१४ मत हासिल कएने छलथि ।

बिगतके नतिजाके अंकगणितके अपन पक्षमें आनएलेल उम्मेदवार आ तिनकर समर्थकसब चुनाबी रेसमें भरपुर मेहनत करहल अछि । मतदानके दिन लगचिअएलासंगे एखनि उम्मेदवारसब मतदातासँ भेंटघाट सहितके चुनावप्रचार प्रसारके तीब्रता देने अछि ।

अहिबेर कटहरी गाउँपालिकामें २६९९६ गोटे मतदाता अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु