विराटनगर । विवेकशील साझा पार्टी विराटनगर महानगरपालिकाके मेयर, उपमेयर सहित सम्पुर्ण वार्डमें उम्मेद्वारी देबके निर्णय कएने अछि ।

सुशाशन,भ्रष्टाचार न्यूनिकरण,पारदर्शिता,पद्धति आ यूवा नेतृत्वके ऐजेण्डासहित उक्त पार्टी महानगरपालिकामे उम्मेद्वारी देबके तैयारी कएने अछि । उक्त पार्टी महानगरके मेयरमें अमलेश कर्णके उम्मेद्वारी देबके सुनिश्चित कएलक विवेकशील साझा पार्टीके जिल्ला सचिव श्याम कोईराला जानकारी देनेछथि ।

महानगरमें उम्मेद्वारी देनिहार मेयर,उपमेयर सहित वडाध्यक्ष आ वार्ड सदस्यसबके नाम तय भचुकल उक्त पार्टी जानकारी देने अछि । अहिसँ पहिने लम्बा समयसँ पारम्परिक राजनितिक दलसब महानगरके नेतृत्व सम्हारैत अएलोपर जनअपेक्षा अनुसारक विकास नैभसकल परिपेक्ष्यमें महानगरवासी नया विकल्प खोजिरहलासँ विकासक नयाँ प्रतिबद्धता सहित उम्मेद्वारी देबलागल ओ बतौनेछथि ।

विवेकशीलद्वारा सार्वजनिक कएलगेल चुनावी एजेण्डासबमें स्वास्थ्य बिमा निशुल्क,१० हजार विद्यार्थी एक्के साथ अध्ययन कसकएबला अन्तराष्ट्रियस्तरके सुविधा सम्पन्न विद्यालय स्थापना,स्मार्ट सडक बत्ती जडान,अन्र्तराष्ट्रियस्तरके पुस्तकालय निर्माण,बालबालिका उद्यान आ २० हजारसँ कम आय रहल नगरवासीके दालि,चाउर, तेल,चिनि आ आँटामें २५ सँ ३० प्रतिसतधरि बिशेष छुट योजनाके प्याकेज लाबए लगायतक प्रतिबद्धता कएलगेल अछि ।

तहिना पिअबला पानिके समस्या समाधानहेतु प्रत्येक वार्डमें पानी टंकी निर्माण कक शुद्ध पानिके ब्यवस्था,नगर बस संचालन तथा अधुरा रहल रिंगरोड ५ बर्षभितरमें निर्माण सम्पन्न करएके सहित महानगरक्षेत्रके बाढि समस्या समाधान लगायतक प्रतिबद्धता सेहो ब्यक्त कएलगेल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु