विराटनगर । जनता समाजवादी पार्टीके नेता उमेश यादव साधारण सदस्य सेहो नै रहएके हिसाबसँ पार्टी परित्यागके घोषणा कएने छथि ।

विराटनगरमें शनिदिन पत्रकार सम्मेलनके आयोजना करैत यादव पार्टी परित्यागके घोषणा कएने छथि । काँग्रेस लगायतक दलसबसंग कएलगेल चुनावी गठबन्धन मान्य नैरहल कहैत यादव पार्टी परित्यागके घोषणा कएनेछथि ।

पार्टीके उम्मेद्वार असगरे महानगरमें मेयर, उपमेयर जितके अवस्था रहलोपर स्वार्थ अनुसार गठबन्धन कक कार्यकर्ताके हौसला तोडके काज भेल हुनकर कहब छल । विराटनगरमें कोनो दलसँ गठबन्धनके औचित्य नैरहल कहैत बिरोध कएलोपर पार्टी पंक्तीद्वारा अनदेखा कएलापर बाध्य भक स्वयं पार्टी परित्यागके निर्णय कएलहुँ हुनकर कहब छल ।

यादव जसपा पार्टी परित्यागके घोषणा कएलोपर आन पार्टीमें नैजाएब बतौने छलथि । यादव अहिसँ पहिने जनता समाजबादी पार्टी नेपालके संघीय परिषद तथा महानगर परिषद सदस्य छलथि ।

अहिसँ पहिने यादव २०७४ के स्थानिय निर्वाचनमें तत्कालिन संघीय समाजबादी फोरम नेपालसँ विराटनगर महानगरपालिकाके मेयर पदके उम्मेद्वार छलथि । ओहि समयके निर्वाचनमें ओ तेसर स्थान हासिल कएने छलथि ।

तत्कालिन समयमें हुनका पक्षमें खसल बहुतो मत बदर भेल छल । चुनावी गठबन्धनमें महानगरके मेयर पद काँग्रेसके हिस्सामें गेलापर यादव पार्टी परित्याग कक स्वतन्त्ररुपमें मेयर पदपर उम्मेद्वारी देबके तैयारी करहल बताओलगेल अछि ।

यद्यपि यादव उक्त बात अखने नहि कहिसबक कहैत स्पष्ट बात राखसँ अस्विकार कएने छलथि ।

सम्बन्धित खबरहरु