विराटनगर । वैदेशिक रोजगारीके क्रममें ४ मंजिला भवनके छत उपरसँ खसलापर दुनू हाथमें गम्भीर चोट लागल विराटनगरक एकगोटे यूवाके सामुदायिक सेवा केन्द्र रानीके प्रयाससँ आर्थिक सहयोग उपलब्ध कराएलगेल अछि ।
विराटनगर १६ के ३५ बर्षिय घायल यूवा अर्जुन तामाङके आर्थिक सहयोग उपलब्ध कराएलगेल अछि । रानी सामुदायिकके प्रयाससँ तामाङके १५ हजार १ सौ ११ रुपैया उपलब्ध कराएलगेल अछि ।
घायल यूवाके जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङके एसपी शान्तिराज कोईराला आर्थिक सहयोग स्वरुपके रकम हस्तान्तरण कएलनि । मलेशियामें मजदुरी करएगेल तामाङ ओहिठामक एकटा निर्माणाधिन भवनमें काज करैतकाल ४ मंजिला छतके उपरसँ खसल छलथि ।
ओहि घटनामें हुनकर दुनू हाथ टुटिक गम्भीर चोट लागल अछि । एखनि हुनक दुनू हाथके हड्डीमें स्टिल जडान कएलगेलोपर केहुनी नै मोराएके समस्या रहल सामुदायिक सेवा केन्द्र रानीके सचिव अर्जुन आचार्य बतौनेछथि ।
जाहिके कारण तामाङ रोजगारीमुलक काज नैकसकलाके कारण बेरोजगार तथा अपाङताके अवस्थामें रहिरहल ओ बतौलनि । परिवारके कमजोर आर्थिक अवस्थाके कारण आवश्यक उपचार सेहो नहि क पाबिरहल अवस्थाके देखिक स्थानीय सहयोगिसबसँ संकलन कक आर्थिक सहयोग उपलब्ध कराएलगेल क्षेत्री बतौनेछथि ।
स्थानीयके सहयोगसँ तामाङके थप उपचारको पहल सेहो कएलजारहल सामुदायिक सेवा केन्द्र रानीके अध्यक्ष किशोर सुब्बा बतौनेछथि ।