धरान । प्रदेश १ निर्वाचन क्षेत्र पूर्वाधार विकास कार्यक्रमके सहकार्यमें जनता मिडिया हव धरान महिलासबहक राजनीतिमें उपस्थिति आ पहुँच विषयक सरोकारवालासब सँग अन्र्तक्रिया कएने अछि ।
धरानमें आयोजित अन्र्तक्रियामें महिलासबके राज्यके निर्णायक तहमें पहुँचाबएलेल राजनीतिक दलसँ उपर उठिक अभियान चलएबाकचाही बक्तासब बतौने छल । कार्यक्रमके प्रमुख अतिथि १ नं. प्रदेश सभा सदस्य सावित्री जोशी श्रेष्ठ, संविधानमें महिलाके हक अधिकार ३३ प्रतिशत कायम कराबमें सफल भेलोपर राजनीतिक दल आ राज्यक निकायमें संविधानमें उल्लेख भेला अनुसारके महिलाके सहभागीता नैरहल बतौलनि ।
निर्णायक निकायमें महिलाके पहुँचाबएलेल थप संघर्ष आ आन्दोलन केनाई जरुरी रहल ओ बतौलनि । धरान उपमहानगरपालिकाके उममेयर मञ्जु भण्डारी पुरुषप्रधान समाज भेलाके कारण महिलाके हक अधिकार अखनोधरि सुनिश्चित नैभसकल बतौलनि ।
महिला सञ्जाल धरानके अध्यक्ष तथा माओवादी केन्द्रके नेता चेतना श्रेयङ्, पीतृसतात्मक सोचके कारण महिला अधिकार कुण्ठित भरहल बतौलनि । कार्यक्रममें यैह बैशाख ३० गते होबबला स्थानीय तहके निर्वाचनमें देशभरि पाँच दलिय गठबन्धन होएत आ ताहिमें मेयर, उपमेयरमें महिलाके सहभागिता शुन्य होबके खतराप्रति सेहो छलफल कएलगेल छल ।
गठबन्धन महिलाके अधिकार छिन लागिरहल नेकपा एमाले जिल्ला कमिटी सदस्य तथा धरान उपमहानगरपालिका न्यायपालिका सदस्य सावित्रा परियार बतौनेछलथि । संविधानमें पार्टीद्वारा उम्मेद्वार बनएलापर प्रमुख वा उपप्रमुखमें एकगोटे महिला अनिर्वाय कएलगेल अछि ।
मुदा गठबन्धनसँ प्रमुख आ उपप्रमुखमें अलगेअलग दलके उम्मेद्वार भेलासँ महिलाके प्रतिनीधित्व शुन्य रहत । अलग अलग दलके उम्मेद्वार भेलापर महिला अनिर्वाय नैभेलासँ महिला सहभागिता शुन्य होबके खतरा बढल अछि ।
कार्यक्रममें जनता मिडिया हवका प्रवन्ध निर्देशक देवेन्द्र कार्की, २०७४ सालके स्थानीय तहके निर्वाचनमें ७५१ स्थानीय तहसबमें ३५०४१ जनप्रतिनीधि निर्वाचित भेल आ ओहिमें १४३५३ महिलासब विजयी भेल बतौलनि । इ संख्या लगभग ४० प्रतिशत अछि ।
कानुनमें बाध्यकारी व्यवस्थाके कारण ओहि समय ७ सौ महिला उपमेयर पद पर विजयि भेल छल । इ संख्या ९१ प्रतिशत अछि । प्रमुखमें १८ गोटे महिला मात्र बिजयि भसकल छल । बैशाख ३० गतेके स्थानीय तहके निर्वाचनमें प्रमुख पदहेतु दलसब केतक महिलाके टिकट दैत अछि से देखके बांकी रहल हुनकर कहब छल ।
कार्यक्रममें नेपाली कांग्रेसके महासमिति सदस्य श्यामा रेग्मी, नेकपा एमाले जिल्ला कमिटी सदस्य इन्द्रकला राई, डव्लुडव्लुजे के प्रदेश अध्यक्ष तथा प्रेस सेन्टरके केन्द्रीय सदस्य गंगा बराल, पत्रकार महासंघके पूर्व केन्द्रीय सदस्य निलिफा सुब्वा, नेकपा एकिकृत समाजवादी धरानके उपाध्यक्ष पद्मा सुब्बा लगायत मन्तव्य रखने छलथि ।