विराटनगर ८ बैशाख । स्थानीय तह निर्वाचनके उम्मेद्वार सिफारिसमें उपेक्षा कएलगेल कहैत काँग्रेस आबद्ध मारवाड़ी समुदाय गम्भीर आपत्ति जाहिर कएने अछि ।

उक्त बिषयके बिरोधस्वरुप समुदायक अगुवासब नेपाली काँग्रेस मोरङ जिल्ला सभापति डिगबहादुर लिम्बुके ध्यानाकर्षण पत्र सेहो देने अछि । नेपाली काँग्रेसप्रति आस्था रखनिहार दर्जनौं युवासब जिल्ला कार्यालय जाक सभापति लिम्बुके ध्यानाकर्षणपत्र देने अछि ।

जिल्ला सभापति लिम्बुके देलगेल ज्ञापनपत्रमें २०३३ सालमें भेल राणा बिरोधी आन्दोलनमें स्वतन्त्रता सेनानी भिमराज नौलखा लगायत अपन जानके बाजी खेलक गौरवशाली ईतिहास रचलनि उल्लेख अछि ।

एकर साथे लोकतन्त्र प्राप्तिके आन आन्दोलनसबमें सेहो समुदायके बिशिष्ठ योगदान रहलोपर राजनीतिक अवसर प्राप्त करएके समयमें समुदायके उपेक्षित कएलगेल आरोप लगाओलगेल अछि ।

आगामी निर्वाचनहेतु मारवाडी समुदायसँ विराटनगर महानगर मेयरके आकांक्षी युवा नेता फुलकुमार लालवानी,उपमेयरके आकांक्षी मिलन नौलखा एवं श्रुती शर्माके नाम चर्चामें रहलोपर नाम सिफारिस नैकक समुदायके मानमर्दन कएलगेल ध्यानाकर्षण पत्रमें उल्लेख अछि ।

नेपाली काँग्रेससँ महानगरपालिकाके मेयर पदके लेल नागेश कोइराला,दिपक चापागाईं, इन्दिरा कार्की, डा. डीला संग्रौला, अमृत अर्याल, भीम पराजुली आ गोपाल रेग्मीके नाम सिफारिस कएलगेल अछि ।

तहिना उपमेयरकेलेल झुमा गौतम, निरज कोइराला, प्रमिला गच्छदार, प्रमिला थापा, पुनम सिंह, जस्मिन मण्डल, पंकज बर्मा, दुर्गा कोइराला, सीता घिमिरे, सूची चौधरी, गीता सिलवाल आ राजु मास्केके नाम सिफारिस भेल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु