विराटनगर, ६ बैशाख । स्थानिय तहके निर्वाचनमें नेकपा माओवादी केन्द्रसँ बुढीगंगा गाउँपालिकाके प्रमुखमें चारि गोटेके नाम सिफारिस भेल अछि ।

गाउँपालिका पार्टी कमिटिके बैठक, अध्यक्ष पदमें नेकपा माओवादी केन्द्र प्रदेश १ के सदस्य उपेन्द्र राय, सदस्य तथा बुढीगंगा गापाके इन्चार्ज ईश्वरी आचार्य, सह–इन्चार्ज नरेन्द्र प्रसाद ढकाल आ माओवादी केन्द्र बुढीगंगाके अध्यक्ष डिल्ली आचार्यके नाम सिफारिस कएने अछि ।

उपाध्यक्षमें तीन गोटेके नाम सिफारिस कक पठाओलगेल अछि । उपाध्यक्षमें सुनिता कुमारी चौधरी, सावित्रा अधिकारी आ अमृता माझीके नाम सिफारिस कएलगेल नेकपा माओवादी केन्द्र बुढीगंगाके अध्यक्ष डिल्ली आचार्य जानकारी देनेछथि ।

पार्टी गाउँपालिके दुटा वडामें वडाअध्यके सर्वसम्मत निर्णय सहित नाम सिफारिस कक जिल्ला पार्टीमें पठएने अछि । बुढीगंगा १ के वडाअध्यक्षमें कपिल सुनार आ तिलक बहादुर बस्नेतके नाम सिफारिस कएने अछि । तहिना २ नं. वडामें सखिचन्द्र ऋषिदव आ धमेन्द्र ऋषिदेवके नाम सिफारिस कएने अछि ।

तहिना वडा नं. ३ में रोहित दाहाल, राजेश राजवंशी, सुमृत खवासके नाम सिफारिस कक पठएने अछि । वडा नं. ४ में मो.हस्मोदिनके नाम सर्वसम्मत वडाअध्यक्षमें निर्णय कक नाम पठाएलगेल अध्यक्ष आचार्य जानकारी देनेछथि ।

तहिन वडा नं. ५ के वडाअध्यक्षमें देवेन्द्र प्रसाद दाहालके नाम सर्वसम्मत निर्णय कक पठाएलगेल अछि । ६ के वडाअध्यक्षमें अमरजन माझी आ योगेन्द्र प्रसाद पौडेलके नाम सिफारिस कएलगेल अछि । ७ के वडाअध्यक्षमें लेखराज कट्टेल आ अनोद माझीके नाम सिफारिस भेल अछि ।

गाउँपालिकाके अध्यक्ष, उपाध्यक्ष, वडाअध्यक्षसब आ सदस्यसबके नाम सिफारिस भेलापर पार्टीद्वारा बुढीगंगामें घरदैलो अभियानके तिव्रता देलगेल अछि । मंगलदिनसँ बुढीगंगामें घरदैलो अभियान सुरु कएलगेल माओवादी केन्द्र प्रदेश १ के सदस्य उपेन्द्र राय जानकारी देलनि ।

अभियान वडा नं. ५ सँ सुरु भेल ओ बतौलनि । बुधबारदिनसँ गाउँपालिका भितरके सब वडामे अभियान सुरु होएत ओ बतौनेछथि ।

सम्बन्धित खबरहरु